Followers

Wednesday 28 March 2012

काकी आ भैया

जखन काकीक छोटका बेटा विनोद बाबा के डांटइ ,तखन काकी के बड हँसी लागेन ।डांटइ क मूल वाक्‍य रहइ 'बूढ़बा भोरे भोर राम राम गेनइ शुरू क' दैत छइ ,सूत नइ दैत अछि ,केवल गिलनइ जानैत अछि ,हरदम पादैत रहैत अछि ,घर मे नइ रह' देत ,आदि ,आदि ।'जखन विनोदक कनिया एलइ आ बी0ए0 क परीक्षा क' तैयारी शुरू केलकइ ,तखन यदि कहियो काकी भनसाघर भेजभिन त' विनोद लड़बा क' लेल तैयार भ' जाइ ।

'गे माए तू जे एकरा भनसिया बनबै छहीं ,से तोरा पता छओ
ई कोन घर से आइल छैक ,एकर बी0ए0 क परीक्षा छैक आ तू भात दालि के फेर मे पड़ल छही ,एखन तोहर उमेर कोनो बैसइ वला छओ' ,आदि ,आदि ।

आब काकी बूझइ छथिन्‍ह जे विनोदबा क बातचित ठीक नइ ।दुआरिये दुआरिए परचारैत काना फूसी करैत दिन बीत रहल छन्हि ,मुदा काल केकरा मुटठी मे एलइ ,जे अहांक मुट्ठी मे आएत ?

होली आ गारि

होली जत्‍ते प्राचीन पर्व अछि ,तइ सँ कम प्राचीन 'गारि' नइ ,ओना दूनू दुइए अक्षरक मुदा अतीव आकर्षण सँ युक्‍त ।हिरणकश्‍यप बला कथा त' अत्‍यंत प्राचीन अछिए ,मुदा प्राचीन साहित्‍य मे गारि सेहो अपन बहुरंगी उपस्थिति क' साथ अछि ।ऋग्‍वैदिक साहित्‍य मे होली नइ अछि ,मुदा गारि अछि ।देवता लोकनि पृथक संस्‍कार सँ युक्‍त व्‍यक्ति के 'असुर' कहने छथिन्‍ह ।ओना ओइ ठाम असुर शब्‍द पूरा पूरा गारि नइ बनल छलइ ।ओइ समयक गारि शहरी सभ्‍यता आ कृषिक समाजक विशेषता मे रहए ।वैदिक लोकनि साहित्‍यक तमाम विशेषता के धारण करितहु तत्‍कालीन विकसित सभ्‍यता कें स्‍वीकार नइ क' सकलनि आ हड़प्‍पा वासीक घर ,किला आ नहर के वितृष्‍णा सँ देखलाह ।मतलब गारि सेहो विकसित होइत छैक ।ओइ समयक अतिथि लोकनि के आदर पूर्वक गौमांस देल जाइत छल ,मुदा आइ यदि ककरो देल जाए त' हुनकर धर्मभ्रष्‍ट हेतेन आ संबंधक समाप्ति अलगे ।वैदिक काल मे विंध्‍याचल सँ दक्षिण रहए वला लोक विशेष सम्‍मानक अधिकारी नइ छलाह ,मतलब ई जे तथाकथित सभ्‍यता गांगेय प्रदेश मात्रे मे मानल जाइत छलै ,आ आन लोक सब असभ्‍य मानल जाइत छलाह ।

निशांत झा


निशांत झा

Tuesday 27 March 2012

प्रतिज्ञा

प्रतिज्ञा बहुत रासक
सभक अपन अपन रंग
अपन अपन खून
अपन आगि पानि
प्रतिज्ञा केवल उपनेन दिनक कनफूंकाइए नइ
ईसकुल गाम समाज यात्रा क' प्रत्‍येक शिक्षा के निमित्‍त
प्रतिज्ञा केवल पितृऋण मे घोघचल कोना
सभक ऋण नितदिन दोबर तेबर होइत
गाम पोखरि किताब भाषा आ ब्रहमाण्‍ड मे पसरल
कखनो कखनो सप्‍तपदी क' प्रतिज्ञा हावी होइत
सभ ऋण सभ प्रतिज्ञा सभ सपना पर
छेटनगर दिमागक सभ प्रतिज्ञा
सानल माटि नइ मूरती सन
सभ प्रतिज्ञा मांगैत खून पसेना
समय आ निष्‍ठाक एकटा ठोस फांक
आ कखनो कखनो दू व्‍यक्तिक प्रतिज्ञा
दौड़ैत हिंसक मूद्रा मे
कखनो त' एके व्‍यक्ति क' दू प्रतिज्ञा
आमने -सामने
दूनू सँ जुड़ल कतेको दिन-राति
कथा कविता ............

मैथिलि--काव्य: Kavita--Maithili

मैथिलि--काव्य: Kavita--Maithili: भोरूकवा मे सुति उठल छलौं तखने छोटकुन बाजि उठल-- 'आब मैथिली रानी समर्थ भेली पाबि संविधान मे स्थान मैथिली रानी धन्य भेली | ' कोयल...

मैथिलि--काव्य: Kavita--Maithili

मैथिलि--काव्य: Kavita--Maithili: भोरूकवा मे सुति उठल छलौं तखने छोटकुन बाजि उठल-- 'आब मैथिली रानी समर्थ भेली पाबि संविधान मे स्थान मैथिली रानी धन्य भेली | ' कोयल...

हरि मोहन झा




हरि मोहन झा

Monday 26 March 2012

सोयरी मे सपना

ई कोनो अद्भुत सपना नह रहै ।सभ लोक अपन अपन बच्‍चा क' लेल एहिना सपना देखै छैक ,आ ई ओकर पहिलो सपना नइ छलै ।पहिलो नइ ,दोसरो नइ ,तेसर ........ ,मुदा आइ सँ तीस-चालीस साल पहिने तीन टा बच्‍चा बहुत सधारण बात छलै ,से दम्‍पति अपन सपना के देखबा ,सपना के अगोरबा ,पोसबा के सब उपक्रम करैत गेल ।सपना मे पानि देनइ ,सपना के हवा लगेनइ ,सपना मे सँ आकुट बाकुट कें साफ केनए ,सपना के चोर-शैतान सँ बचाबैत ,लोक-वेद के कहैत गुणैत ।सपना के हाथ-पैर ,मुंह-कान सब बनलए ।ऐ मे लगभग नओ महीना लागि गेलइ ।आ ई नओ महीना कोना बीतलइ दम्‍पति के पते नइ चललै ।

एक दिन मिथिला क एकटा गाम मे सपना के धरती पर उतारबाक व्‍यवस्‍था प्रारंभ भेल । तीन -चारि टा जनानी ,एकटा चमैन ,आगि-पानि ,तेल-मौध,साबुन-कपड़ा आ गीत-नाद । जनी-जातिक मजाक स्‍वप्‍नागमन मे निहित वेदना के कम करैत । आ सपना के छोट छोट हाथ छलै ,छोट छोट पएर ....आंखि कान सब छोट छोट ।आब सपना स्‍वयं अपना लेल सपना देख सकैत छलै ................

शिव कुमार झा



शिव कुमार झा

महाकवि विद्यापति




महाकवि विद्यापति

उदय चन्‍द्र झा 'विनोद'



उदय चन्‍द्र झा 'विनोद'

आचार्य सुरेन्‍द्र झा 'सुमन'




आचार्य सुरेन्‍द्र झा 'सुमन'

वैद्यनाथ मिश्र 'यात्री'



वैद्यनाथ मिश्र 'यात्री' नाम सँ प्रसिद्ध कवि उपन्‍यासकार ।हिंदी मे नागार्जुन नाम सँ ख्‍याति ।

अरविन्‍द ठाकुर



मैथिली कवि कथाकार अरविंद ठाकुर

अमित मिश्र




युवा कवि अमित मिश्र

श्रीधरम



मैथिली कथाकार श्रीधरम

राजकमल चौधरी




मैथिली कथा -कविता धारा मे क्रांतिकारी मोड़ देमए वला लेखक राजकमल चौधरी

गजेंद्र ठाकुर :शब्‍द शास्‍त्रम्(कथा)



गजेंद्र जी मिथिला आ मैथिली कऽ लेल कत्‍ते गंभीर छथिन ई ककरो सँ छिपल नइ ।हुनकर प्रत्‍येक प्रयास एकटा नया ऊर्जा सँ भरल रहैत छैक ।'शब्‍द शास्‍त्रम्' कथा क' महत्‍व मात्र एतबे नइ कि ई भारतीय इतिहास आ दर्शनक एकटा महत्‍वपूर्ण अध्‍याय कें छूबैत अछि ,बल्कि मैथिली कथा के नया रूप सँ सेहो परिचय करबैत छैक । तालपत्र सुखबैक प्रक्रिया मे इतिहासक जे बिंदु छुआइ छैक ,से शब्‍द ,स्‍फोट आ आत्‍मा क' विमर्श सँ आर गहीर होइत चलि जाइत छैक ।दर्शनक गंभीर तत्‍व पर विमर्श करैत ,विद्वान महाचार्य लोकनि कऽ मतवैभिन्‍नता कें प्रकट करैत ई कथा जत्‍ते गंभीर होइत छैक ,मिलु आ आनन्‍दाक प्रेम-प्रसंग मे ओतबे सहज ।कथा मे पसरल लोकगीत इतिहास आ वर्तमानक अंतराल कें कम करैत अछि आ पारंपरिक कथा शैली के अपेक्षाकृत आर संश्लिष्‍ट करैत मैथिली कथा धारा के नवआयाम सँ परिचित करबैत अछि । गजेंद्र जी क' ई कथा हुनकर फेसबुक वॉल पर सँ लेल गेल अछि ,आ मूल रूप मे ऐ तर्कक साथ प्रस्‍तुत अछि जे साहित्‍यकारक काज अतीत क' पुनराख्‍यान नइ वर्तमानक प्रकाशन अछि ।गजेंद्र जी क' ऐ कथाक ऊपरका खोली इतिहासक जरूर अछि ,मुदा चेतना क' स्‍तर पर आजुक ई बितैत क्षण प्रशस्‍त अछि ,तें तथ्‍यक मिलान सँ बेशी रचनाशीलता क' लेल ओ बधाई क' पात्र छथि । ई कथा मैथिली कथा पर गंभीर विमर्श क' श्र्ंखला प्रारंभ करए ,ऐ कामनाक संग ।

सिंह राशिमे सूर्य, मोटा-मोटी सोलह अगस्त सँ सोलह सितम्बर धरि। किछु सुखेबाक होअए तँ सभसँ कड़ा रौद। सिंह राशिमे मिलूक पिताक तालपत्र सभ पसरल रहैत छल, वार्षिक परिरक्षण योजना, जे एहि तालपत्र सभमे जान फुकैत छल। आनन्दा मिलूक पिताजीक एहि तालपत्र सभक परिरक्षण मनोयोगसँ करैत रहथि। कड़गर रौदमे तालपत्र पसारैत आनन्दा, मिलूकेँ ओहिना मोन छन्हि। मिलू संग जिनगी बीति गेलन्हि आनन्दाक। मुदा एहि बरखक सिंहराशि अएलासँ पूर्वहि आनन्दा चलि गेलीह... आ आब जखन ओ नै छथि तखन जीवनक परिरक्षण कोना होएत। मिलूक आ ओहि तालपत्र सभक जीवनक..
भ्रम। शब्दक भ्रम। शब्दक अर्थ हम सभ गढ़ि लैत छी। आ फेर भ्रम शुरू भऽ जाइत अछि।

लुकेसरी अँगना चानन घन गछिया
तहि तर कोइली घऽमचान हे
कटबै चनन गाछ, बेढ़बै अँगनमा
छुटि जेतऽ कोइली घऽमचान हे
कानऽ लगली खीजऽ लागल, बोन के कोइलिया
टूटि गेलऽ कोइली घऽमचान हे
जानू कानू जानू की, जोबोन के कोइलिया
अहि जेतऽ कोइली घऽमचान हे
जहि बोन जेबऽ कोइली
रहि जेत तऽ निशनमा
जनू झरू नयना से लोर हे
सोने से मेढ़ायेब कोइली तोरो दुनू पँखिया
रूपे से मेरायेब दुनू ठोर हे
जाहे बोन जेबऽ कोइली रुनझुनु बालम
रहि जेतऽ रकतमाला के निशान हे

कोनो युवतीक अबाज चर्मकार टोलसँ अबैत बुझना गेल..आनन्दाक अबाज।
मुदा आनन्दा तँ चलि गेली, कनिये काल पहिने ओकर लहाश देखि आएल छथि बचलू। मिलूकेँ समाचार कहि डोमासी घुरि गेल छथि। आ आनन्दा, ओ तँ बूढ़ भऽ मरलीहेँ। तखन ई अबाज, युवती आनन्दाक। भ्रम। शब्दक भ्रम। कहैत रहथि मिलूक पिता श्रीकर मीमांसक मारते रास गप शब्दशास्त्रम् पर। शब्दक अर्थ हम सभ गढ़ि लैत छी। आ फेर भ्रम शुरू भऽ जाइत अछि।

I
शब्दशास्त्रम्

गर्दम गोल भेल छल।
अनघोल मचि गेल छलै। बलान धारमे कोनो लहाश बहल चलि जा रहल छल। धोबियाघाट लग कात लागल छल।
कतेक दूरसँ आएल छल से नै जानि। कोनो बएसगर महिलाक लहाश छल। धोबिन लहाशकेँ चीन्हि गेल रहथि। गौआँकेँ कहि दै छथि ओकर नाम आ पता। गौआँ के, ओहि गामक डोमासीक बचलूकेँ। मृतकक घरमे खबरि भऽ गेल छलै। एसकरे एकटा बुढ़ा रहैए ओहि घरमे...मिलू।
मिलूक टोलबैया गौँआ सभ लहाशकेँ डीहपर आनि लेने छल आ फेर मिलू ओकर दाह-संस्कार कऽ देने रहथि।
गाममे अही गपक चर्चा रहै। बचलू बुढ़ाकेँ बुझल छन्हि किछु आर गप। चिन्है छथि ओ ओहि लहाशक मनुक्खकेँ। नवका लोककेँ बहुत रास गप नै बुझल छै।
आनन्दाक लहाश..
-आनन्दा बड्ड नीक रहै। बुझनुक। ओकर बचिया सभ सभटा सुखितगर घरमे छै..बेटा सेहो विद्वान। मिलू, आनन्दाक वर सेहो उद्भट..श्रीकर मीमांसकक पुत्र..। मुदा कहियो मिलू आकि आनन्दा कोनो खगतामे ककरो आगाँ हाथ नै पसारने छथि।
बचलू सेहो आब बूढ़ भऽ गेल छथि, झुनकुट बूढ़। हिनकासँ पैघ मात्र मिलू छथिन्ह। लोक सभ दुनू गोटेकेँ बुढ़ा कहि बजबै छन्हि।
आ एहि बचलू बुढ़ाकेँ बुझल छन्हि ढेर रास गप।
.....
मिलू आ श्रीकरक वार्तालाप। किछु बुझिऐ आ किछु नै।
-मिलू। भामतीमे वाचस्पति कहै छथि जे अविद्या जीवपर आश्रित अछि आ विषय बनि गेल अछि। आत्मसाक्षात्कार लेल कोन विधि स्वीकार करब? असत्य कथूक कारण कोना भऽ सकत? कोनो बौस्तुक सत्ता ओकरा सत्य कोना बना देत, त्रिकालमे ओकर उपस्थिति कोना सिद्ध कऽ सकत? जे बौस्तु नै तँ सत्य अछि आ नहिये असत्य आ नै अछि एहि दुनूक युग्मरूप; सैह अछि अनिर्वाच्य। बिना कोनो वस्तु आ ओकर ज्ञान रखनिहारक शून्यक अवधारणा कोना बूझऽमे आओत?
-मिलू। कुमारिल कहै छथि आत्मा चैतन्य जड़ अछि, जागलमे बोध आ सूतलमे बोधरहित।
-मिलू। भामतीमे वाचस्पति कहै छथि जे आत्मसाक्षात्कारसँ रहित शास्त्रमे कुशल व्यक्ति सर-समाजसँ पशुवत व्यवहार करैत छथि, लाठी लैत अबैत व्यक्तिकेँ देखि भागि जाइ छथि, घास लैत अबैत व्यक्तिकेँ देखि लग जाइत छथि। माने डरसँ घबड़ाइ छथि।
“आत्मसाक्षात्कारसँ रहित शास्त्रमे कुशल व्यक्ति सर-समाजसँ पशुवत व्यवहार करैत छथि, लाठी लैत अबैत व्यक्तिकेँ देखि भागि जाइ छथि, घास लैत अबैत व्यक्तिकेँ देखि लग जाइत छथि। माने डरसँ घबड़ाइ छथि।” ई गप मुदा सरिया कऽ बूझबामे आएल रहए हमरा।

....
आमक मास रहै।
बानर आ बनगदहा खेत सभकेँ धांगने अछि आ पारा बारीकेँ।
“सभटा नाश कऽ देलकै बचलू। रातिमे तँ नञि सुझै छै। भोरे-भोर कलम जा कऽ देखै छी। बनगदहा सभटा फसिल खा लेलक आब ई बानर आमक पाछाँ लागल अछि।”
हमरा बुझल अछि जे आमक मासमे बानर आ बनगदहा ओहि बरख एक्के संग आएल छलै।
आमेक मास रहै। से मिलू ओगरबाहीमे लागत आब। आमक टिकुला पैघ भऽ रहल छै। मचान बान्हबाक रहै मिलूकेँ। हमहूँ संगमे रहियै। बाँस काटि कऽ अबैत रही।
डबरा कात दऽ कऽ अबि रहल छलहुँ। भोरहरबा छल। अकास मध्य लाल रेख कनेक पिरौँछ भेल बुझना गेल छल।
-लीख दऽ कऽ चलू बचलू।
खेतक बीचमे लीख देने आगाँ बढ़ऽ लागलहुँ।
तखने हम शोणित देखलहुँ। हमर देह शोनित देखि सर्द भऽ गेल।
मुदा निशाँस छोड़लहुँ। बाँसक तीक्ष्ण पात एकटा बालिकाक हाथ आ मुँहकेँ नोछड़ैत गेल रहै। मिलूक बाँसक नोछाड़ ओकरा लागल रहै।
मिलू हाथसँ बाँस फेकि कऽ ओहि बालिका लग चलि गेल छल।
नोराएल आँखिक ओहि बालिकाक शोणित पोछि मिलू ओकर नोछारपर माटि रगड़ि देने रहै।
-की कऽ रहल छी।
-शोनित बन्न भऽ जाएत।
बालिका लीखपर आगाँ दौगि गेल छलीह।
-की नाम छी अहाँक।
-आनन्दा।
-कोन गामक छी।
-अही गामक।
-अही गामक?
हम दुनू गोटे संगे बाजल रही।
हँ, आनन्दा नाम रहै ओकर। आ मिलूक पहिल भेँट वैह रहै।
...
मचानो बन्हा गेल रहए। मुदा आनन्दा फेर नै भेटल रहए।
मिलू पुछैत रहए।
-कोन टोलक छी ओ। नहिये मिसरटोलीक अछि, नहिये पछिमाटोलीक आ नहिये ठकुरटोलीक।
-डोमासीक रहितए तँ हम चिन्हिते रहितिऐ।
-तखन कोना अछि ओ अपन गामक। आ अपन गामक अछि तँ आइ धरि भेँट किए नै भेल रहए ओकरासँ।
मुदा बिच्चेमे संयोग भेल छल। मिलूक टोलमे फुदे भाइक बेटाक उपनयन रहै। बँसकट्टी दिन पिपहीबलाकेँ बजबैले हम गामक बाहर चर्मकार टोल गेल रही।
-हिरू भाइ, हिरुआ भाइ।
-आबै छथि।
कोनो बालिकाक अबाज आएल रहए। अबाज चिन्हल सन।
-अहाँ के छी।
-हम हिरूक बेटी। की काज अछि?
-पिपही लऽ कऽ एखन धरि अहाँक बाबू नै पहुँचल छथि। बजबैले आएल छियन्हि।
-तही ओरियानमे लागल छथि।
-अहाँक नाम की छी?
तखने टाट परक लत्तीकेँ हँटबैत वैह बालिका सोझाँ आबि गेलि।
-हम आनन्दा। हम अहाँकेँ चीन्हि गेल रही। अहाँक की नाम छी?
हम तँ सर्द भेल जाइत रही। मुदा उत्तर देबाके छल।
-बचलू।
-आ अहाँक संगीक।
-मिलू, पंडित श्रीकरक बेटा।
मिलूक पिताक नाम सेहो हम आनन्दाकेँ बता देलिऐ। पुछने तँ नै छलि ओ, मुदा नै जानि किएक..कहि देलिऐ।
तखने हिरुआ पिपही लेने आबि गेल रहथि। हुनका संगे हम टोलपर आबि गेलहुँ।
रस्तामे हिरुआकेँ पुछलियन्हि- आनन्दा अहाँक बेटी छथि। मुदा कहियो देखलियन्हि नै।
-मामागाममे बेशी दिन रहै छलै। मुदा आब चेतनगर भऽ गेल छै। से गाम लऽ अनने छिऐ।
-फेर मामागाम कहिया जएतीह।
-नञि, आब ओ चेतनगर भऽ गेल अछि। आब संगे रहत।
पंडितजीक बेटा मिलू, हमर संगी मिलू, ई गप सुनि की होएतैक ओकरा मोनपर। कैक दिनसँ ओकर पुछारी कऽ रहल छल। हम सोचने रही जे भने मामागाम चलि जाए आनन्दा आ कनेक दिनमे मिलूक पुछारीसँ हम बाँचि जाएब।
मुदा आब तँ आनन्दा गामेमे रहत आ पंडित श्रीकरक बेटा मिलू..
धुर..हमहीं उनटा-पुनटा सोचि लेने छी। ओहिना दू-चारि बेर मिलू आनन्दाक विषयमे पुछारी केने अछि। तकर माने ई थोड़बेक भेलै जे..
मुदा जे सैह भेलै तखन ?..
पंडितक बेटा आ चर्मकारक बेटी..
पंडित श्रीकर मानताह?..गौआँ घरुआ मानत?
धुर। फेर हम उनटा-पुनटा सोचि रहल छी। पिपही बाजए लागल रहए आ लीखपर देने हम आ मिलू, भरि टोलक स्त्रीगण-पुरुषक संगे बँसबिट्टी पहुँचि गेल रही। रस्तामे ओहि स्थलकेँ अकानने रही। मिलू आ आनन्दाक पहिल मिलनक स्थलकेँ- कोनो अबाज लागल अबैत..मात्र संगीत..स्वर नै।
बरुआ बाँस सभपर थप्पा दऽ देने रहै आ सभ बाँस कटनाइ शुरू कऽ देने रहथि। मड़बठट्ठी आइये छै। घामे-पसीने भेने कनेक मोन तोषित भेल। कन्हापर बाँस लेने हम आ मिलू ओही रस्ते बिदा भेल रही..ओही लीख देने।

मुदा मिलू हमरा सदिखन टोकारा देमए लागल। कारण कोनो काज हम एतेक देरीसँ नञि केने रहिऐ। ओ हमर राम रहए आ हम ओकर हनुमान।
मचानपर एहिना एक दिन हम मिलूकेँ कहि देलिऐ-
-मिलू, बिसरि जो ओकरा। कथी लेल बदनामी करबिहीं ओकर। हिरुआक बेटी छिऐ आनन्दा। ओना तोहर नाम हमरासँ ओ पुछलक तँ हम तोहर नाम आ तोहर पिताजीक नाम सेहो कहि देलिऐ।
-हमर पिताजीक नाम ओ पुछने रहौ?
-नै पुछने रहए। मुदा..
-तखन किए कहलहीं?
-आइ ने काल्हि तँ पता लागबे करतै..
-जहिया लगितै तहिया लगितै..आब ओ हमरासँ कटत..हमर मेहनति तूँ बढ़ा देलेँ..
-कोन मेहनति। तूँ पंडित श्रीकरक बेटा आ ओ हिरुआ चर्मकारक बेटी। कथीले बदनामी करबिहीं ओकर।
-बियाह करबै रौ। बदनामी किए करबै।
-ककरा ठकै छिहीं ?
-ककरो नै रौ।
एहिना अनचोक्केमे निर्णय लैत छल मिलू। श्रीकर मीमांसकक बेटा मिलू नैय्यायिक। ओकरा घरमे तालपत्र सभ पसरल रहैत देखने छलिऐ। से भरोस नै भऽ रहल छल।
-गाममे कहियो देखलिऐ नै ओकरा।
-तूँ गाममे रहलेँ कहिया। गुरुजीक पाठशालासँ पौरुकेँ तँ आएल छेँ।
-मुदा तूँहीं कोन देखने रहीं।
-मामा गाम रहै छल ओ।
-फेर मामा गाम घुरि कऽ तँ नै चलि जाएत।
-नै, से पुछि लेलिऐ। आब गामेमे रहत।
पौरुकाँ गामेमे मिलूक माएक देहान्त भऽ गेल छलन्हि।
श्रीकर मीमांसक सेहो खटबताह सन भऽ गेल छथि- ई गप हुनकर टोलबैय्या सभ करैत छल। तालपत्र सभक परिरक्षण कोना हएत एहि सिंह राशिमे? यैह चिन्ता रहन्हि श्रीकरक, आ तेँ ओ खटबताह सन करए लागल रहथि.. ईहो गप हुनकर टोलबैय्या सभ करैत छल।
...
हिर्र..हिर्र…हिर्र....
डोमासीसँ सूगरक पाछू हम आ मिलू हिर्र-हिर्र करैत चर्मकार टोल पहुँचि जाइ छी। आनन्दा मुदा सोझाँमे भेटि गेलीह। सुग्गर संगे हम आगाँ बढ़ि जाइ छी। घुमै छी तँ आनन्दा आ मिलूक गप सुनैले कान पाथै छी।
हिर्र..हिर्र
एहि बेर आनन्दा हिर्र कहैत अछि आ हम मुस्की दैत सूगरक आगाँ बढ़ि जाइ छी।
ई घटना कैक बेर भेल आ ई गप सगरे पसरि गेल। हिरू कताक बेर हमरा लग आएल रहथि।
हीरू उद्वेलित रहए लागल रहथि। हीरूक पत्नी बेटीक भाग्यक लेल गोहारि करए लगलीह।
कए कोस माँ मन्दिलबा
कए कोस लुकेसरी मन्दिलबा
कए कोस पड़ल दोहाइ
कनी तकबै हे माइ
कए कोस पड़ल दोहाइ
कनी तकबै हे माइ
दुइ कोस मन्दिलबा
चारि कोस लुकेसरी मन्दिलबा
पाँचे कोस पड़ल दोहाइ
कनी तकबै हे माइ
पाँचे कोस पड़ल दोहाइ

कोन फूल माँ मन्दिलबा
कोन फूल बन्दी मन्दिलबा
कोन फूल पर पड़ल दोहाइ
कनी तकबै हे माइ
कोन फूल पर पड़ल दोहाइ
कनी तकबै हे माइ
ऐली फूल माँ मन्दिलबा
बेली फूल लुकेसरी मन्दिलबा
गेन्दे फूल पड़ल दोहाइ
कनी तकबै हे माइ
गेन्दे फूल पड़ल दोहाइ
कनी तकबै हे माइ
.........
हिरू डोमासी आबए लागल रहथि।
-की हेतै, कोना हेतै।
-झुट्ठे..
हम गछलियन्हि जे हम हिरु संगे श्रीकर पंडित लग जाएब।
आ हम हिरूकेँ श्रीकर मीमांसक लग लऽ गेल रहियन्हि। श्रीकरक पत्नीक मृत्यु गत बरखक सिंह राशिक बाद भऽ गेल छलन्हि। आ तकर बाद हिरू मीमांसक खटबताह भऽ गेल छथि- लोक कहैत छलन्हि। लोक के? वैह टोलबैय्या सभ। गामक लोक, परोपट्टाक विद्वान लोक सभ तँ बड्ड इज्जत दै छलन्हि हुनका। आँखिक देखल गप कहै छी..
“आउ बचलू। हिरू, आउ बैसू..। ”- गुम्म भऽ जाइत छथि श्रीकर। पत्नीक मृत्युक बाद एहिना, रहैत रहथि, रहैत रहथि आकि गुम्म भऽ जाइत रहथि।
“कक्का, आँगन सुन्न रहैत अछि। कतेक दिन एना रहत। मिलूक बियाह किए नै करा दै छियन्हि”?
“मिलू तँ बियाह ठीक कऽ लेने छथि”।
“कत्तऽ?” -हम घबड़ाइत पुछै छियन्हि। हिरू हमरा दिस निश्चिन्त भावसँ देखै छथि।
“आनन्दासँ, समधि हीरू तँ अहाँक संग आएल छथिये।”
हाय रे श्रीकर पंडित।
आ बाह रे मिलू। पहिनहिये बापकेँ पटिया लेने छल। मुदा बान्हपर जाइत कोनो टोलबैय्याक कान एहि गपकेँ अकानि लेने छल।
हम सभ बैसले रही आकि ओ किछु आर गोटेकेँ लऽ कऽ दलानपर जुमि गेल छल। श्रीकर मीमांसकसँ हुनकर सभक शास्त्रार्थ शुरू भेल। शब्दक काट शब्दसँ।
“श्रीकर, अहाँ कोन कोटिक अधम काज कऽ रहल छी”।
“कोन अधम काज”।
“छोट-पैघक कोनो विचार नै रहल अहाँकेँ मीमांसक?”
“विद्वान् जन। ई छोट-पैघ की छिऐ? मात्र शब्द। एहि शब्दकेँ सुनलाक पश्चात् ओकर शब्दार्थ अहाँक माथमे एक वा दोसर तरहेँ ढुकि गेल अछि। पद बना कऽ ओहिमे अपन स्वार्थ मिज्झर कऽ...”।
“माने छोट-पैघ अछि शब्दार्थ मात्र। आ तकर विश्लेषण जे पद बना कऽ केलहुँ से भऽ गेल स्वार्थपरक”।
“विश्वास नै होए तँ ओहि पदमे सँ स्वार्थक समर्पण कऽ कए देखू। सभ भ्रम भागि जाएत”।
“माने अहाँ मिलू आ आनन्दाक बियाह करेबाले अडिग छी”।
“विद्वान् जन। रस्सीकेँ साँप हम अही द्वारे बुझै छी जे दुनूक पृथक अस्तित्व छै। आँखि घोकचा कऽ दूटा चन्द्रमा देखै छी तँ तखनो अकाशक दूटा वास्तविक भागमे चन्द्रमाकेँ प्रत्यारोपित करै छी। भ्रमक कारण विषय नै संसर्ग छै, ओना उद्देश्य आ विधेय दुनू सत्य छै। आ एतए सभ विषयक ज्ञान सेहो आत्माक ज्ञान नै दऽ सकैए। आत्माक विचारसँ अहंवृत्ति- अपन विषयक तथ्यक बोध एहिसँ होइत अछि। आत्मा ज्ञानक कर्ता आ कर्म दुनू अछि। पदार्थक अर्थ संसर्गसँ भेटैत अछि। शब्द सुनलाक बाद ओकर अर्थ अनुमानसँ लग होइत अछि”।
“अहाँ शब्दक भ्रम उत्पन्न कऽ रहल छी। हम सभ एहिमे मिलू आ आनन्दाक बियाहक अहाँक इच्छा देखै छी”।
“संकल्प भेल इच्छा आ तकर पूर्ति नै हो से भेल द्वेष”।
“तँ ई हम सभ द्वेषवश कहि रहल छी। अहाँक नजरिमे जातिक कोनो महत्व नै?”
“देखू, आनन्दा सर्वगुणसम्पन्न छथि आ हुनकर आ हमर एक जाति अछि आ से अछि अनुवृत्त आ सर्वलोक प्रत्यक्ष। ओ हमर धरोहरक रक्षण कऽ सकतीह, से हमर विश्वास अछि। आ ई हमर निर्णय अछि”।
“आ ई हमर निर्णय अछि।”- ई शब्द हमर आ हिरूक कानमे एक्के बेर नै पैसल रहए। हम तँ श्रीकर आ मिलूकेँ चिन्हैत रहियन्हि, एहिना अनचोक्के निर्णय सुनबाक अभ्यासी भऽ गेल रही। मुदा हिरु कनेक कालक बाद एहि शब्द सभक प्रतिध्वनि सुनलन्हि जेना। हुनकर अचम्भित नजरि हमरा दिस घुमि गेल छलन्हि।
फेर श्रीकर मीमांसक ओहि शास्त्रार्थी सभमेसँ एक ज्योतिषी दिस आंगुर देखबै छथि-
“ज्योतिषीजी, अहाँ एकटा नीक दिन ताकू। अही शुद्धमे ई पावन विवाह सम्पन्न भऽ जाए। सिंह राशि आबैबला छै, ओहिसँ पूर्व। किनको कोनो आपत्ति?”
सभ माथ झुका ठाढ़ भऽ जाइ छथि। श्रीकर मीमांसकक विरोधमे के ठाढ़ होएत?
“हम सभ तँ अहाँकेँ बुझबए लेल आएल छलहुँ। मुदा जखन अहाँ निर्णय लैये लेने छी तखन...।”
मीमांसकजीक हाथ उठै छन्हि आ सभ फेर शान्त भऽ जाइ छथि।
हम आ हीरू सेहो ओतएसँ बिदा भऽ जाइ छी।
हीरू निसाँस लेने रहथि, से हम अनुभव केने रही।
...
ई नै जे कोनो आर बाधा नै आएल।
मुदा ओ खटबताह विद्वान तँ छले। से आनन्दा हुनकर पुतोहु बनि गेलीह। आ हुनक छुअल पानि हमर टोल आकि मिलूक टोल मात्र नै सौँसे परोपट्टाक विद्वानक बीचमे चलए लागल।
.....
आनन्दाक नैहरमे विवाह सम्पन्न भेल छल। ओतुक्का गीतनाद हम सुनने रही, उल्लासपूर्ण, एखनो मोन अछि-
पर्वत ऊपर भमरा जे सूतल,
मालिन बेटी सूतल फुलवारि हे
उठू मालिन राखू गिरिमल हार हे
पर्वत ऊपर भमरा जे सूतल,
मालिन बेटी सूतल फुलवारि हे
उठू मालिन राखू गिरिमल हार हे

कोन फूल ओढ़ब लुकेसरि के
कोन फूल पहिरन
कोन फूल बान्धिके सिंगार हे

उठू मालिन राखू गिरिमल हार हे
बेली फूल ओढ़ब बन्दी
चमेली फूल पहिरन
अरहुल फूल लुकेसरि के सिंगार हे
उठू मालिन गाँथू गिरिमल हार हे
उठू मालिन गाँथू गिरिमल हार हे
....
श्रीकर मीमांसक आनन्दाकेँ तालपत्र सभक परिरक्षणक भार दऽ निश्चिन्त भऽ गेल रहथि। पत्नीक मृत्युक बाद बेचारे आशंकित रहथि।
दैवीय हस्तक्षेप, आनन्दा जेना ओहि तालपत्र सभक परिरक्षण लेल आएल रहथि हुनकर घर। अनचोक्के..
मिलू कहि देलक हमरा जे कोना ओ श्रीकर पंडितकेँ पटिया लेने रहए। ब्राह्मणक बेटी सराइ कटोरा आ माटिक महादेव बनबैत रहत आ तालपत्र सभमे घून लागि जाएत..
नै घून लागए देथिन तालपत्र सभमे, आनन्दा आएत एहि घर। श्रीकर मीमांसक निर्णय कऽ लेने रहथि।
मिलू तँ जेना जीवन भरि अपन लेल एहि निर्णयक प्रति कृतज्ञ छलाह।
श्रीकरक आयु जेना बढ़ि गेल छलन्हि। श्रीकर आ आनन्दाक मध्य गप होइते रहै छल ओहि घरमे।
आनन्दा बजिते रहै छलीह आ गबिते रहै छलीह।

बारहे बरिस जब बीतल तेरहम चढ़ि गेल हे
बारहे बरिस जब बीतल तेरह चहरि गेल हे
ललना सासु मोरा कहथिन बघिनियाँ
बघिनियाँ घरसे निकालब हे
ललना सासु मोरा कहथिन बघिनियाँ
बघिनियाँ घरसे निकालब हे

अंगना जे बाहर तोहि छलखिन रिनियाँ गे
ललना गे आनि दियौ आक धथूर फर पीसि हम पीयब रे
ललना रे आनी दियौ आक धथूर फर पीसि हम पीयब रे
बहर से आओल बालुम पलंग चढ़ि बैसल रे
बहर से आओल बालुम पलंग चढ़ि बैसल रे
ललना रे कहि दियौ दिल केर बात की तब माहुर पीयब रे
ललना रे कहि दियौ दिल केर बात की तब माहुर पीयब रे

बारह हे बरिस जब बीतल तेरह चहरि गेल रे
ललना रे सासु मोरा कहथिन बघिनियाँ
बघिनिया घरसे निकालब रे
सासु मोरा मारथिन अनूप धय ननदो ठुनुक धय रे
सासु मोरा मारथि अनूप धय ननदो ठुनुक धय रे
ललना रे गोटनो खुशी घर जाओल सभ धन हमरे हेतै हे
ललना रे गोटनऽ खुशी घर जाओल सभ धन हमरे हेतै हे

चुप रहू, चुप रहू धनी की तोहीँ महधनी छिअ हे
चुप रहू, चुप रहू धनी की तोहीँ महधनी छिअ हे
धनी हे करबै हे तुलसी के जाग, की धन सभ लुटा देबऽ हे
ललना हे करबै मे पोखरि के जाग, की सभ धन लुटाएब हे

श्रीकर मीमांसक हँसी करथिन- आनन्दा, अहाँकेँ तँ सासु अछि नै, तखन ओ बेचारी अहाँकेँ बघिनियाँ कोना कहतीह?
-तेँ ने गबै छी, सभ चीज तँ भरल-पूरल मुदा..।
आँखि नोरा गेल छलन्हि आनन्दाक। हमरा अखनो मोन अछि।
-हम अहाँकेँ दुःख देलहुँ ई गप कहि कऽ।
-कोन दुःख? सासु नै छथि तँ ससुर तँ छथि।
श्रीकरकेँ प्रसन्न देखि मिलूकेँ आत्मतोष होइन्ह।
.......
आ श्रीकर मीमांसकक मृत्युक बादो आनन्दा तालपत्र सभमे जान फुकैत रहैत छलीह।
फेर मिलूकेँ दूटा बेटी भेलन्हि वल्लभा आ मेधा।
आनन्दाक खुशी हम देखने छी। नैहर गेल रहथि ओ। ओतहि दुनू जौँआ बेटी भेल छलन्हि-

लाल परी हे गुलाब परी
लाल परी हे गुलाब परी
हे गगनपर नाचत इन्द्र परी
हे गुलाबपर नाचत इन्द्र परी

आ फेर भेलन्हि बेटा। पैघ भेलापर बेटा मेघकेँ पढ़बा लेल बनारस पठेने रहथि मिलू।
आ दिन बितैत गेल, बेटी सभ पैघ भेलन्हि आ दुनू बेटी, मेधा आ वल्लभाक बियाह दान कऽ निश्चिन्त भऽ गेल छलाह मिलू।
बेटाक परवरिश आ बियाह दान सेहो केलन्हि। मेघ बनारसमे पाठन करए लगलाह। मेघ, मेधा आ वल्लभा तीनू गोटे सालमे एक मास आबथि धरि अवश्य।
लोक बिसरि गेल मारते रास गप सभ।

II
भामती प्रस्थानम्
आनन्दा मिलूक पिताजीक एहि तालपत्र सभक परिरक्षण मनोयोगसँ कऽ रहल छथि। कड़गर रौद, मिलूकेँ ओहिना मोन छन्हि।
मिलू संग जिनगी बीति गेलन्हि आनन्दाक। आ आब जखन ओ नै छथि तखन मिलूक जीवनक परिरक्षण कोना होएत।.. मिलू प्रवचनक बीचमे कतहु भँसिया जाइ छथि।
प्रवचन चलि रहल अछि। मिलू गरुड़ पुराण नै सुनताह। मिलू मंडनक ब्रह्मसिद्धि सुनताह, वाचस्पतिक भामती सुनताह, जे सुनबो करताह तँ। जँ बेटी सभक जिद्द छन्हिये तँ आत्मा विषयपर कुमारिलक दर्शन सुनताह। आ सैह प्रवचन चलि रहल अछि।
भ्रम। शब्दक भ्रम। कहैत रहथि श्रीकर मारते रास गप शब्दशास्त्रम् पर। भामती प्रस्थानम् पर। शब्दक अर्थ हम गढ़ि लैत छी। आ फेर भ्रम शुरू भऽ जाइत अछि।
-गुरुजी। हम पत्नीक मृत्युक बाद घोर निराशामे छी। की छिऐ ई जीवन। कतए होएत आनन्दा।
- मिलू। धीरज राखू। ब्रह्मसिद्धिक हमर ई पाठ अहाँक सभ भ्रमक निवारण करत। ब्रह्मसिद्धिमे चारि काण्ड छै। ब्रह्म, तर्क, नियोग आ सिद्धि काण्ड। ब्रह्मकाण्डमे ब्रह्मक रूपपर, तर्ककाण्डमे प्रमाणपर, नियोगकाण्डमे जीवक मुक्तिपर आ सिद्धिकाण्डमे उपनिषदक वाक्यक प्रमाणपर विवेचन अछि।
- मिलू। मुक्ति ज्ञानसँ पृथक् कोनो बौस्तु नै अछि। मुक्ति स्वयं ज्ञान भेल। मानवक क्षुद्र बुद्धिक कतहु उपेक्षा मंडन नै केने छथि। कर्मक महत्व ओ बुझैत छथि। मुदा ताहिटा सँ मुक्ति नै भेटत। स्फोटकेँ ध्वनि-शब्दक रूपमे अर्थ दैत मंडन देखलन्हि। से शंकरसँ ओ एहि अर्थेँ भिन्न छथि जे एहि स्फोटक तादात्म्य ओ बनबैत छथि मुदा शंकर ब्रह्मसँ कम कोनो तादात्म्य नै मानै छथि। से मंडन शंकरसँ बेशी शुद्ध अद्वैतवादी भेलाह।
-मिलू। मंडन क्षमता आ अक्षमताक एक संग भेनाइकेँ विरोधी तत्व नै मानैत छथि। ई कखनो अर्थक्रियाकृत भेद होइत अछि, मुदा ओ भेद मूल तत्व कोना भऽ गेल। से ई ब्रह्म सभ भेदमे रहलोपर सभ काज कऽ सकैए।
-देखू। वाचस्पतिक भामती प्रस्थानक विचार मंडन मिश्रक विचारसँ मेल खाइत अछि। मंडन मिश्रक ब्रह्मसिद्धिपर वाचस्पति तत्वसमीक्षा लिखने छथि। ओना तत्वसमीक्षा आब उपलब्ध नै छै।
-तखन तत्व समीक्षाक चर्चा कोना आएल।
-वाचस्पतिक भामतीमे एकर चर्चा छै।
-मुदा मंडनक विचार जानबासँ पूर्व हमरा मोनमे आबि रहल अछि जे जखन ओ शंकराचार्यसँ हारि गेलाह तखन हुनकर हारल सिद्धान्तक पारायणसँ हमरा मोनकेँ कोना शान्ति भेटत।
-देखियौ, मंडन हारि गेल छलाह तकर प्रमाण मंडनक लेखनीमे नै अछि। मंडन स्फोटवादक समर्थक रहथि, मुदा शंकराचार्य स्फोटवादक खण्डन करैत छथि। मंडन कुमारिल भट्टक विपरीत ख्यातिक समर्थक रहथि, मुदा शंकराचार्यक जाहि शिष्य सुरेश्वराचार्यकेँ लोक मंडन मिश्र बुझै छथि ओ एकर खण्डन करै छथि।
-से तँ ठीके। मंडन हारि गेल रहितथि तँ हुनकर दर्शन शंकराचार्यक अनुकरण करितन्हि।
-आब कहू जे जाहि सुरेश्वराचार्यकेँ शंकराचार्य श्रृंगेरी मठक मठाधीश बनेलन्हि से अविद्याक दू तरहक हेबाक विरोधी छथि मुदा मंडन अपन ग्रन्थ ब्रह्मसिद्धिमे अग्रहण आ अन्यथाग्रहण नामसँ अविद्याक दूटा रूप कहने छथि। मंडन जीवकेँ अविद्याक आश्रय आ ब्रह्मकेँ अविद्याक विषय कहै छथि मुदा सुरेश्वराचार्य से नै मानै छथि। शंकराचार्यक विचारक मंडन विरोधी छथि मुदा सुरेश्वराचार्य हुनकर मतक समर्थनमे छथि।
.......
बानर आ बनगदहा खेत सभकेँ धांगने अछि आ पारा बारीकेँ। आब हमरा दुआरे गामक लोक महीस पोसनाइ तँ नै छोड़ि देत। बानर आ बनगदहा बड्ड नोकसान कऽ रहल अछि।
“चारिटा बानर कलममे अछि। धऽ कऽ आम सभकेँ दकड़ि देलक। हम गेल रही। साँझ भऽ गेलै तँ आब सभटा बानर गाछक छिप्पी धऽ लेने अछि। साँझ धरि दुनू बापुत कलम ओगरने रही, झठहा मारि भगेलहुँ, मुदा तखन अहाँक कलम दिस चलि गेल”।–- हम मिलूकेँ हम कहै छियन्हि।
“सभटा नाश कऽ देलकै बचलू। रातिमे तँ नञि सुझै छै। भोरे-भोर कलम जा कऽ देखै छी। बनगदहा सभटा फसिल खा लेलक आब ई बानर आमक पाछाँ लागल अछि। करऽ दियौ जखन...”।
“बनगदहा सभ तँ साफ कऽ उपटि गेल छलै। नै जानि फेर कत्तऽ सँ आबि गेल छै। गजपटहा गाममे जाग भेल छलै, ओम्हरेसँ राता-राती धार टपा दै गेल छै”।
“से नै छै। ई बनगदहा सभ धारमे भसिया कऽ नेपाल दिसनसँ आएल छै। आबऽ दियौ जखन...”।
“हम बानर सभ दिया कहने रही”।
“से हेतै”।
“हेतै भाइज, तखन जाइ छी”। हमरा बुझल अछि जे आमक मासमे बानर आ बनगदहा ओहि बरख एक्के संग निपत्ता भऽ गेल रहै जाहि बरख आनन्दा आ मिलूक भेँट भेल रहै। आ आनन्दाक गेलाक बाद बानर आ बनगदहा नै जानि कत्तऽ सँ फेर आबि गेल छै, आनन्दाक मृत्युक पन्द्रहो दिन नै बीतल छै...
.......
बचलू गेलाह आ मिलूक कपारपर चिन्ताक मोट कएकटा रेख ऊपर नीचाँ होमए लगलन्हि, हिलकोरक तरंग सन, एक दोसरापर आच्छादित होइत, पुरान तरंग नव बनैत आ बढ़ैत जाइत। अंगनामे सोर करै छथि। “बुच्ची, बुचिया। जयकर आ विश्वनाथ आइ गाछी गेल रहए। आबि गेल अछि ने दुनू गोड़े। सुनलिऐ नै जे बानर सभक उपद्रव भऽ गेल छै। काल्हिसँ नै जाइ जाएत गाछी, से कहि दियौ। आइ बानर सभ कलम आएल छल, से कहबो नै केलहुँ। कहिये कऽ की होएत जखन...”।
“कहि तँ रहल छलहुँ बाबूजी मुदा अहाँ तँ अपने धुनमे रहै छी, बाजैत मुँह दुखा गेल तँ चुप रहि गेलहुँ”।
हँ, धुनिमे तँ छथिये मिलू। ई आम सेहो आनन्दाक मृत्युक बाद पकनाइ शुरू भऽ गेल अछि। आ एतेक दिनुका बाद फेर ई बानर आ बनगदहा कोन गप मोन पारबा लेल फेरसँ जुमि आएल अछि।
...
जयकरक माए वल्लभा आ विश्वनाथक माए मेधा। दुनू बहीन कतेक दिनपर आएल छथि नैहर। कतेक दिनपर भेँट भेल छन्हि एक दोसरासँ। आनन्दाक दुनू बेटी आ दुनू जमाए आएल छथि। वल्लभाक पति विशो आ मेधाक पति कान्ह। मेघ अपन पत्नी आ बच्चा सभक संगे आएल छथि।
मिलू पत्नीकेँ आनन्दा कहि बजा रहल छथि। फेर मोन पड़ै छन्हि जे ओ आब कत्तऽ भेटतीह। फेर कत्तऽ छी वल्लभा, कत्तऽ छी मेधा, जयकर आ विश्वनाथ कतए छथि..सोर करए लागै छथि।
वल्लभा आ मेधा अबै छथि आ मिलू गीत गबए लगै छथि। आनन्दाक गीत। आनन्दा जे गबै छलीह वल्लभा आ मेधा लेल-
लाल परी हे गुलाब परी
लाल परी हे गुलाब परी
हे गगनपर नाचत इन्द्र परी
हे गुलाबपर नाचत इन्द्र परी

रकतमाला दुआरपर निरधन खड़ी
हे रकतमाला दुआरपर निरधन खड़ी
माँ हे निरधनकेँ धन यै देने परी
माँ हे निरधनकेँ धन जे देने परी

लाल परी हे गुलाब परी
माँ हे रकतमाला दुआरपर अन्धरा खड़ी
माँ हे अन्धराकेँ नयन दियौ जलदी
माँ हे अन्धराकेँ नयन दियौ जलदी

बाप आ दुनू बेटी भोकार पाड़ए लगै छथि।
...
-मिलू। आनन्दाक मृत्यु अहाँ लेल विपदा बनि आएल अछि। अहाँ ब्राह्मण जातिक आ आनन्दा चर्मकारिणी। मुदा दुनू गोटेक प्रेम अतुलनीय। हुनकर मृत्यु लेल दुःखी नै होउ। ब्रह्म बिना दुखक छथि। ब्रह्मक भावरूप आनन्द छियन्हि। से आनन्दा लेल अहाँक दुःखी होएब अनुचित। ब्रह्म द्रष्टा छथि। दृश्य तँ परिवर्तित होइत रहैए, ओहिसँ द्रष्टाकेँ कोन सरोकार। ई जगत-प्रपंच मात्र भ्रम नै अछि, एकर व्यावहारिक सत्ता तँ छै। मुदा ई व्यावहारिक सत्ता सत्य नै अछि।
-मिलू। चेतन आ अचेतनक बीच अन्तर छै मुदा से सत्य नै छै। जीवक कएकटा प्रकार छै, आ अविद्याक सेहो कएकटा प्रकार छै। अविद्या एकटा दोष भेल मुदा तकर आश्रय ब्रह्म कोना होएत, पूर्ण जीव कोना होएत। ओकर आश्रय होएत एकटा अपूर्ण जीव। अविद्या तखन सत्य नै अछि मुदा खूब असत्य सेहो नै अछि।
-मिलू। एहि अविद्याकेँ दूर करू आ तकरे मोक्ष कहल जाइत अछि। वैह मोक्ष जे आनन्दा प्राप्त केने छथि।
आ मिलूक मुखपर जेना शान्ति पसरि जाइ छन्हि।
........
मिलू जेना भेँट करबा लेल जा रहल छथि।
मोन पड़ि जाइ छन्हि आनन्दा संग प्रेमालाप।
-आनन्दा। अहाँसँ गप करैत-करैत हमरा कनीटा डर मोनमे आबि गेल अछि। पिताक सभसँ प्रधान कमजोरी छन्हि हुनकर तालपत्र सभक परिरक्षण। से ई सभ मोन राखू। पिता जे पुछताह जे ताल पत्रक परिरक्षण कोना होएत तँ कहबन्हि- पुस्तककेँ जलसँ तेलसँ आ स्थूल बन्धनसँ बचा कऽ। छाहरिमे सुखा कऽ। ५००-६०० पातक पोथी सभ। हम कोनो दिन देखा देब। एक पात एक हाथ नाम आ चारि आंगुर चाकर होइ छै। ऊपर आ नीचाँ काठक गत्ता लागल रहै छै। वाम भागमे छिद्र कऽ सुतरीसँ बान्हल रहै छै।
-पिता मानताह।
-नै मानताह किएक। ब्राह्मणक बेटीसँ बियाह कराबैक औकाति छन्हि? हम एक गोटेकेँ दू टाका बएना देने रहियै खेतिहर जमीन किनबा लेल। मुदा पिता जा कऽ बएना घुरा आनलन्हि। एक-एक दू-दू टाका जमा कऽ रहल छथि। ७०० टाका लड़कीबलाकेँ देताह तखन बेटाक विवाह हेतन्हि आ पाँजि बनतन्हि। आ से ब्राह्मणी अओतन्हि तँ तालपत्रक रक्षा करतन्हि?
मिलूक माएक मृत्युक बाद श्रीकर खटबताह भऽ गेल छलाह। टोलबैय्या सभ कहै छथि।
आ फेर बेमारी अएलै, प्लेग। गामक दूटा टोल उपटिये गेल, मिसरटोली आ पछिमाटोली। परोपट्टाक बहुत रास गाममे कतेक लोक मुइल से नै जानि।
मिलू पिताकेँ आनन्दासँ भेँट करा देलखिन्ह। श्रीकर तालपत्र परिरक्षणक ज्ञानसँ परिपूर्ण आनन्दामे नै जानि की देखि लेलन्हि।
मिलू जीति गेल। नैय्यायिक मिलू मीमांसक श्रीकरसँ जीति गेल आ मीमांसक श्रीकर अपन टोलबैय्या सभकेँ पराजित कऽ देलन्हि।
आ आनन्दा आ मिलूक विवाह सम्पन्न भेल।
मोन पड़ि जाइ छन्हि आनन्दा संग प्रेमालाप। मिलू जेना भेँट करबा लेल जा रहल छथि। आनन्दाक मृत्यु भऽ गेल अछि। बलानमे पएर पिछड़ि गेलन्हि आनन्दाक। ओहिना पिछड़ैक चिन्हासी देखबामे आबि रहल अछि।
मिलू ओहि चिन्हासीकेँ देखै छथि आ हुनकर मोन हुलसि जाइ छन्हि, पिछड़ि जाइ छथि भावनाक हिलकोरमे..
आनन्दा आ मिलूक एक दोसरासँ भेँट-घाँट बढ़ए लागल छल, खेत, कल्लम-गाछी, चौरी आ धारक कातक एहि स्थलपर। आ दुनू गोटे पिछड़ैत छलाह, खेतमे, कल्लम-गाछीमे, चौरीमे आ धारक कातमे सेहो।
धारमे फाँगैत नै छलाह मिलू। यएह ढलुआ पिच्छड़ स्थल जे आइ-काल्हिक छौड़ा सभ बनेने अछि, से मिलूक बनाओल अछि। एहिपर पोन रोपैत छलाह आ सुर्रसँ मिलू धारमे पानि कटैत आगाँ बढ़ि जाइत छलाह।
“हे, कने नै पिछड़ि कऽ तँ देखा।”
“से कोन बड़का गप भेलै।”
“देखा तखन ने बुझबै।”
आनन्दा अस्थिरसँ आगाँ बढ़बाक प्रयास करथि मुदा..हे.हे..हे..
नै रोकि सकलथि ओ अपनाकेँ, नहिये खेतमे, नहिये कल्लम-गाछीमे, नहिये चौरीमे आ नहिये एहि धारक कातमे..
आ की करए आएल होएतीह आनन्दा एतए..जे पिछड़ि गेलीह आ डूमि गेलीह..
कोनो स्मृतिकेँ मोन पड़बा लेल आएल होएतीह..
-

हँ आनन्दा आएल अछि बचलू। देखियौ ई गीत सुनू-

घर पछुवरबामे अरहुल फूल गछिया हे
फरे-फूले लुबुधल गाछ हे
उतरे राजसए सुगा एक आओल
बैसल सूगा अरहुल फूल गाछ हे
फरबो ने खाइ छऽ सुगबा, फुलहो ने खाइ छऽ हे
डाढ़ि-पाति केलक कचून हे
फुलबो ने खाइ छऽ सुगबा, फरहु ने खाइ छऽ हे
डाढ़ि-पाति केलक कचून हे
घर पछुवरबामे बसै सर नढ़िआ हे
बैसल सूगा दिअ ने बझाइ हे

एकसर जोड़ल सोनरिया
दुइसर जोड़ल हे
तेसर सर सूगा उड़ि जाइ हे
सुगबो ने छिऐ भगतिया
तितिरो ने छिऐ
येहो छिऐ गोरैय्या के बाहान हे

-भाइ अहाँ ई गीत नै सुनि पाबि रहल छी की?
-भाइ सुनि रहल छी। देखियो रहल छी। आनन्दा भौजी छथि।
जहिया ओ मुइल छलीह तहियो सुनने रही- वएह रहथि- गाबै रहथि-
लुकेसरी अँगना चानन घन गछिया
तहि तर कोइली घऽमचान हे

-शब्द भ्रम नै छल ओ।
माँछ-मौस आ सत्यनारायण पूजाक बाद अगिले दिनक गप अछि। ने चानन गाछ कटेने रहथि आ ने अँगना बेढ़ने रहथि आनन्दा।
दोसर दिन ओहि चानन गाछक नीचाँ चर्मकारटोलमे गौआँ सभ दुनू गोटेक लहाश देखलन्हि। आ ईहो शब्द गगनमे पसरि गेल, सौँसे गौँआ सुनलक- आनन्दाक अबाजमे-
जाहे बोन जेबऽ कोइली रुनझुनु बालम
रहि जेतऽ रकतमाला के निशान हे
शब्द भ्रम नै छल ओ।

(ई कथा “शब्दशास्त्रम्” श्री उमेश मंडल गाम-बेरमा लेल।)

Sunday 25 March 2012

कंप्रेस्‍ड फाईल

सभ पूजा विधि विधाने सॅं नइ
आ विधिपूर्वक निमहि जाए
तैयो फलक गारंटी के देत
आ विधिए एकटा छैक की
तें रस्‍तो अपन अपन
जेकरा जइ मे संतोष
कहबा सुनबा बतेबा
गेबा गुणबा क ओते विधि
जत्‍ते धरती पर मूड़ी
आ कखनो त' एकेटा मूड़ी
तैयो दस रंगक कूड़ी
खने खन बदलै रंग
की ढ़ंग कोन बेढ़ंग
गणितक सब सवाल
उदाहरणे सँ हल होइत छैक की
आ यदि होइतो होए
तखन सब शंभूए बाबू
सन गणितभट्ट
होइ तखन ने
आ किछु फाईल कखनो ने
पूरा होइत छैक
आजीवन अपूर्ण
कखनो कंप्रेस्‍ड
कखनो रिज्‍यूमक मांग
आ सब फाईल मे
रिज्‍यूमक क्षमता नइ होइत छैक

Friday 23 March 2012

गजल

टूटिए जेतै संबंध जँ दस लेल एक सँ , इहो स्वीकार अछि ,
भीड़ मे जीबै छी तेँ भीड़ के बचेनाइ हमर अछिकार अछि ,
हम बनियाँ छी सए कमा लेब , दस छुटि गेल कोनो दुख नै ,
सबल त' बढ़बे करतै ओकरा संग दिअ जे लचार अछि ,
माछक लोभ मे सड़ल माछ ल दुषित नै करब समाज के .
एक दाम मे बिकै बला ककरो जिनगी नै मीना बजार अछि ,
सब के सब सँ किछु-ने- किछु चाहत रहै छै छोट बाट पर ,
अहाँ एक बेर आबू हम दस बेर , इ हमर व्यबहार अछि ,
लड़ाइ क' देह जुनि तोड़ै जाउ , प्रेम क' दिल धरि पहुँचु यौ ,
"अमित" गिनती के फेरा मे नै पड़ू , सगरो अपने संसार अछि . . . । ।
वर्ण-23
अमित मिश्र

पहिल टिकुला

\/ पहिल टिकुला\/
मज्जरक दिन सँ पसरल सुगंध ,
हर्षित मोन सुंघि मातल गंध ,
फूसिये कहै छी कोयलक गीत सुन' जाइ छलौ ,
सच कहौँ बढ़ैत टिकुलाक दर्शन कर' जाइ छलौँ ,
डाँढ़ि-पात लुबधल हरियर टिकुला ,
पैघ-छोट ,वाह! केहन रूप दैब रचला ,
पहिल टिकुला सँ चटनी थारी सजल ,
साल भरि के बाद मुँहक स्वाद बदलल ,
एखने सँ मीठ राजा लागि रहल ,
बम्बई मालदह छकि क' खेबै आश लागल ,
धन्य भेल जिनगी देख पहिल टिकुला ,
"अमित" रसालक ध्यान मे बनल बगुला . . . । ।
अमित मिश्र

Thursday 22 March 2012

उदयनाचार्य आ न्‍यायकुसुमांजलि

प्राचीन नैयायिक ईश्‍वरक अस्तित्‍व या सर्वोच्‍च तत्‍व पर विस्‍तार सँ चर्चा नइ करैत छथि ,मुदा पूर्वमध्‍यकाल मे एकटा खास ऐतिहासिक आ सांस्‍कृतिक स्थिति उत्‍पन्‍न भऽ जाइत अछि आ बौद्धानुयायी लोकनि कऽ मुख्‍यधारा अज्ञेयवादी सँ अनीश्‍वरवादी भऽ जाइत छैक । ई विहंगम परिवर्तन वैदिक दर्शनक 'न्‍याय'धारा के सेहो छूबैत अछि आ ई धारा नवीन ऊर्जाक संग बौद्ध दर्शन पर प्रहार करैत छैक । न्‍याय दर्शनक ई नव प्रयासक प्रतिनिधि कृति उदयनाचार्य रचित 'न्‍यायकुसुमांजलि ' अछि । आचार्यक ई ग्रंथ ईश्‍वरक अनस्तित्‍व पर नओ महान तर्कक साथ प्रहार करैत अछि आ ईश्‍वर क'अस्तित्‍व के असंदिग्‍ध स्‍वीकार करबैत अछि ।

Tuesday 20 March 2012

झमेलिया वियाह(जगदीश प्रसाद मंडल)

जगदीशजीक तेसर नाटक ।ऐ सँ पहिले ‘मिथिलाक बेटी’ आ ‘कम्‍प्रोमाइज’ ।तीनू नाटक अपन औपन्‍यासिक विस्‍तार आ काव्‍यात्‍मक दृष्टि सँ परिपूर्ण ।लेखक समकालीन विश्‍व आ गद्यक पारस्‍परिकता सँ नीक जँका परिचित छथि ,तें हिनकर संपूर्ण रचना-संसार मे समकालीनता क’ वैभव पसरल अछि ,जत्‍ते वैचारिक ,ओतबे रूपगत ।समकालीनता क’ प्रति हिनकर झुकाव ‘झमेलिया वियाह’ के एकटा विशेष स्‍वरूप दैत छैक ।बारह सालक नेना क वियाहक ओरियाओन करैत माए –बापक चित्र जत्‍ते हँसबए छैक ,माएक बेमारी ओतबे सुन्‍न ।लेखकक रचना संसार मे काल-देवताक लेल विशेष जग्‍गह ,तें ई नाटक प्रहसनक प्रारंभिक रूपगुण देखाबितो किछु आर अछि ।पहिले दृश्‍य मे सुशीला कहैत छथिन ‘राजा दैवक कोन ठेकान ............अगर दुरभाखा पड़तै तँ सुभाखा किअए ने पड़ै छै ....’ आ राजा ,दैवक कर्तव्‍यक प्रति ई उदासीनता क’ अनुभव समस्‍त आस्तिकता आ भाग्‍यवादिता कें खंडित करैत अछि ।

सभ नाटक मे भरत मुनि के खोजनए जरूरी नइ ,ओना उत्‍साही विवेचक अर्थपकृति ,कार्यावस्‍था आ संधि क’ खोज करबे करता ,आ कोनो तत्‍व नइ मिलतेन त’ चिकडि़ उठता ।यद्यपि लेखकक उद्देश्‍य स्‍पष्‍ट अछि ।शास्‍त्रीय रूढि़ जेना –नान्‍दी पाठ ,मंगलाचरण ,प्रस्‍तावना ,भरतवाक्‍य क’ प्रति लेखक कोनो आकर्षण नइ देखबैत छथिन ।एतबे नइ पाश्‍चात्‍य नाट्य सिद्धांत कें हूबहू (देकसी) खोजए वला कें आलस सेहो लागतेन । तें ‘झमेलिया वियाह’ मे स्‍टीरियोटाईप संघर्ष देखबा क’ ईच्‍छुक भाए लोकनि कनेक बचि बचा के चलब ।विसंगति आ समस्‍या नाटकक फार्मूला के नाटक मे खोजए वला के सेहो झमेला बुझा सकैत छनि ,किएक त’ लेखक कोनो फार्मूला के स्‍वीकारि के नइ लिखैत छथिन ।

सीधा-सीधी अंकविहीन ‘झमेलिया वियाह’ नौ टा दृश्‍य मे बँटल अछि :अनेक दृश्‍यस्‍य एकांकी ।ने बहुत छोट ने नमहर ।तीन चारि घंटा के बिना झमेला के ‘झमेलिया वियाह’ । एकेटा परदा या बॉक्‍स सेट पर मंचित होमए योग्‍य ।मात्र घर या दरवज्‍जा क’ साज-सज्‍जा ।तेरह टा पुरूष्‍ा आ चारि टा स्‍त्री पात्रक नाटक ।छोट –छोट रसगर संवाद ,संघर्ष आ उतार-चढ़ावक संभावना सँ युक्‍त ।ने कतओ नमहर स्‍वगत ने नमहर संवाद ।असंभव दृश्‍य ,बाढि़ ,हाथी –घोड़ा ,कार –जीपक कोनो योजना नइ ।संवादक द्वारा विभिन्‍न बरियाती या यात्रा क’ कथा सँ जिज्ञासा आ आद्यांत आकर्षण ।क‍था मे चैता क’ रमणीयता आ मर्यादा ,तें जोगीरा क’ दिशाहीनता आ उद्दाम वेग नइ भेटत ।गंभीर साहित्‍य सर्वदा अपन समयक अन्‍न ,खून पसेनाक गंध सँ युक्‍त होइत अछि ।आ ‘झमेलिया वियाह’ सेहो पावनि-तिहार ,भनसाघरक फोड़न-छौंक ,सोयरी,श्‍मशान आ पकमानक बहुवर्णी गंध सँ युक्‍त अछि ,एकदम ओहिना जेहन पाब्‍लो नेरूदा विभिन्‍न कोटिक गंध के कविता मे खोजैत छथिन ।





‘झमेलिया वियाह’क सामाजिक आ सांस्‍कृतिक आधार पर कनेक विचार करू ।ई ओइ ठामक नाटक अछि ,जत’ कर्म पर जन्‍म,संयोग आ कालदेवता क’ अंकुश छैक ,जइ ठामक लोक मानैत छथिन जे कखनो मुँह सँ अवाच कथा नै निकाली ।दुरभखो विषाइ छै ।सामाजिक रूपें ओ वर्ग जेकर हँसी-खुशी माइटिक तर मे तोपा गेल अछि ।लैंगिक विचार हुनकर ई जे पुरूख आ स्‍त्रीगणक काज फुट-फुट अछि ।आ विकासक उदाहरण ई कि जइठीन मथटनकीक एकटा गोटी नै भेटै छै तइठीन साल भरि पथ-पानिक संग दवाइ खाएब पार लागत ?


मुदा जगदीशजी केवल सातत्‍य आ निरंतरताक लेखक नइ छथिन ,परिवर्तनक छोट छोट यति पर अपन कैमरा सँ फ्लैश दैत रहैत छथिन ।तें यथास्थितिवाद क’ लेल अभिशप्‍त होइतहुं यशोधर बूझैत छथिन जे मनुक्‍खक मनुखता गुण मे छिपल छै नै कि रंग मे ।आ सुशीला सामाजिक स्थिति पर बिगड़ैत छथिन कि विधाता कें चूक भेलनि जे मनुक्‍खो कें सींघ नांगरि किअए ने देलखिन । आ ई नाटक कालदेवताक ओइ खंड सँ जुड़ैत अछि जत’ पोता श्‍याम तेरह के थर्टिन आ तीन के थ्री कहैत छथिन ।ऐठाम अखबार आबैत छैक आ राजदेव देशभक्तिक परिभाषा के विस्‍तृत बनेबा लेल कटिबद्ध छथिन ।खेत मे पसीना चुबबैत खेतिहर ,सड़क पर पत्‍थर फोड़ैत बोनिहार ,धार मे नाओ खेबैत खेबनिहार सभ देश सेवा करैत अछि ,आ राजदेव सभ के देशभक्‍त मानैत छथिन ।


‘झमेलिया वियाह’क झमेला जिनगीक स्‍वाभाविक रंग परिवर्तन सँ उद्भूत अछि ,तें जीवनक सामान्‍य गतिविधिक चित्रण चलि रहल अछि बिना कथा के नीरस बनेने । नाटकक कथा विकास बिना कोनो बिहाडि़ के आगू बढ़ैत अछि ,मुदा लेखकीय कौशल सामान्‍य कथोपकथन के विशिष्‍ट बनबैत अछि ।पहिल दृश्‍य मे पति-पत्‍नीक बातचित मे हास्‍य क’ संग समय देवताक क्रूरता सानल बूझाइत अछि ।दोसर दृश्‍य मे झमेलिया अपन स्‍वाभाविक कैशोर्य सँ समय के द्वारा तोपल खुशी के खुनबा क’ प्रयास करैत अछि ।पहिल दृश्‍य मे व्‍यक्ति परिस्थिति क’ समक्ष मूक बनल अछि ,आ दोसर दृश्‍य मे व्‍यक्तित्‍व आ समयक संघर्ष कथा के आगू बढ़बैत कथा आ जिनगीक’ दिशा निर्धारित करैत अछि ।तेसर दृश्‍य देशभक्ति आ विधवाविवाह क’ प्रश्‍न के अर्थविस्‍तार दैत अछि ,आ ई नाटकक गति सँ बेशी जिनगी के गतिशील करबा लेल अनुप्राणित अछि ।

चारिम दृश्‍य मे राधेश्‍याम कहैत छथिन जे कम सँ कम तीनक मिलानी अवस होयबा के चाही । आ ,लेखक अत्‍यंत चुंबकीयता सँ नाटकीय कथा मे ओइ जिज्ञासा के समाविष्‍ट क’ दैत छथिन कि पता नइ मिलान भ’ पेतइ वा नइ ।ई जिज्ञासा बरियाती-सरियाती क’ मारिपीट आ समाजक कुकुड़चालि सँ निरंतर बनल रहैत छैक । आ पांचम दृश्‍य मे मिथिलाक’ ओ सनातन ‘खोटिकरमा’ पुराण ।दहेज ,बेटी ,वियाह आ घटकक चक्रव्‍यूह ! आ लेखकक कटुक्ति जे ने केवल मैथिल समाज बल्कि समकालीन बुद्धिजीवी आ आलोचना क’ लेल सेहो अकाट्य अछि :कत’ नै दलाली अछि ।एक्‍के शब्‍द कें जगह-जगह बदलि-बदलि सभ अपन-अपन हाथ सुतारैए ।

आ घटक भाय कें देखिऔन ।समए कें भागबा आ समै मे आगि लगबा के स्‍पष्‍ट दृश्‍य हुनके देखाइ छनि ।अपन नीच चेष्‍टा के छुपबैत बालगोविन्‍द के एक छिट्टा आर्शीवाद दैत छथिन ।बालगोविन्‍द के जाइते हुनकर आस्तिकता क’ रूपांतरण ऐ विन्‍दु पर होइत अछि ‘भगवान बड़ीटा छथिन ।जँ से नै रहितथि तँ पहाड़क खोह मे रहैबला कोना जीवैए ।अजगर कें अहार कत’ सँ अबै छै ।घास-पात मे फूल-फड़ केना लगै छै.................’बातचितक क्रम मे ओ बेरि बेरि बूझाबइ आ फरिछाबइ के काज करैत छथि ।मैथिल समाजक अगिलगओना ।महत्‍व देबइ त’ काजो क’ देत नइ त’ आगि लगा के छोड़त !!!!!


छठम दृश्‍य मे बाबा आ पोतीक बातचित आ बरियाती जएबा आ नइ जएबा क’ औचित्‍य पर मंथन । बाबा राजदेव निर्णय नइ ल’ पाबैत छथिन ।बरियाती जएबा क अनिवार्यता पर ओ बिचबिचहा मे छथिन ‘छइहो आ नहियो छै ।समाज मे दूनू चलै छै ।हमरे वियाह मे मामे टा बरियाती गेल रहथि ।‘ मुदा खाए ,पचबै आ दुइर होइ क’ कोनो समुचित निदान नइ मिलैत छैक ।बरियाती –सरियाती क’ व्‍यवहारशास्‍त्र बनबैत राजदेव आ कृष्‍णानंद कथे-विहनि मे ओझरा के रहि जाइत छथि ।दस बरिखक बच्‍चा क’ श्राद्ध मे रसगुल्‍ला मांगि मांगि के खाए वला हमर समाज वियाह मे किएक ने खायत ? तें कामेसर भाय निसॉ मे अढ़ाय-तीन सय रसगुल्‍ला आ किलो चारिएक माछ पचा गेलखिन आ रसगुल्‍लो सरबा एत’ ओत’ नइ आंते मे जा नुका रहल !!!

सातम दृश्‍य सबसँ नमहर अछि ,मुदा वियाह पूर्व वर आ कन्‍यागतक झीकातीरी आ घटकभाय द्वारा बरियाती गमनक विभिन्‍न रसगर प्रसंग सँ नाटक बोझिल नइ होइत छैक । आ घटक भाय पर ध्‍यान देबइ ,पूरा नाटक मे सबसँ बेशी मुहावरा ,लोकोक्ति ,कहबैका क’ प्रयोग ओएह करैत छथिन ।मात्र सातमे दृश्‍य के देखल जाए –खरमास (बैसाख जेठ) मे आगि-छाड़क डर रहै छै(अनुभव के बहाने बात मनेनइ) .....पुरूष नारीक संयोग सँ सृष्टिक निर्माण होइए(सिद्धांत क’ तरे ध्‍यान मूलविंदु सँ हटेनइ) ......आगूक विचार बढ़बै सॅ पहिने एक बेर चाह-पान भ’ जाए(भोगी आ लालुप समाजक प्रतिनिधि) ......जइ काज मे हाथ दइ छी ओइ काज कें कइये क’ छोड़ै छी (गर्वोक्ति).......जिनगी मे पहिल बेर एहेन फेरा लागल( कथा कहबा सँ पहिले ध्‍यान आकर्षित करबाक सफल प्रयास)....खाइ पीबैक बेरो भ’ गेल आ देहो हाथ अकडि़ गेल ......कुटुम नारायण तँ ठरलो खा क’ पेट भरि लेताह मुदा हमरा तँ कोनो गंजन गृहणी नहिये रखतीह ।(प्रकारांतर सँ अपन महत्‍व आ योगदान जनबैत ई ध्‍वनि जे हमरो कहू खाए लेल )
आठमो दृश्‍य मे बालगोविन्‍द ,यशोधर,भागेसर ,घटक भाय वियाह आ बरियाती क’ बुझौएल के निदान करबा हेतु प्रयासरत छथि ,आ लेखक घटकभाय के पूर्ण नांगट नइ बनबैत छथिन ,मुदा ओकर मीठ मीठ शब्‍दक निहितार्थ के नीक जँका खोलि दैत छथिन ।ऐ दृश्‍य मे बाजल बात ,मुहावरा ,लोकोक्ति आ प्रसंग ,उदाहरणक बलें ओ अपन बात मनबाबए लेल कटिबद्ध छथिन ।हुनकर कहबैका पर ध्‍यान दियओ – जमात करए करामात...जाबत बरतन तावत बरतन.....नै पान तँ पानक डंटिये सँ.....सतरह घाटक सुआद .......अनजान सुनजान महाकल्‍याण ।
मुदा घटकभाय क’ ऐ सुभाषितानि क’ की निहितार्थ ? ई अर्थ पढ़बा क’ लेल कोनो मेहनत करबा क’ जरूरी नइ ।ओ राधेश्‍याम के कहै छथिन ‘जखन बरियाती पहुंचैए तखन शर्बत ठंडा –गरम ,चाह-पान ,सिगरेट गुटका चलैए ।तइपर सँ पतोरा बान्‍हल जलपान ,तइ पर सँ पलाउओ आ भातो ,पूडि़ओ आ कचौडि़यो ,तइ पर सँ रंगविरंगक तरकारियो आ अचारो ,तइ पर सँ मिठाइयो आ माछो-मासु ,तइ पर द‍िहियो ,सकड़ौडि़ओ आ पनीरो चलैए ।‘

नाटकक नवम आ अंतिम दृश्‍य ।बाबा राजदेव आ पोती सुनीता क’ वार्तालाप ,आखिर ऐ वार्तालापक की औचित्‍य ? जगदीश जी सन सिद्धहस्‍त लेखक जानै छथिन जे बीसम आ एकैसम सदीक मिथिला पुरूषहीन भ’ चुकल छैक । यात्री जी क’ कविता पर विचार करैत कवयित्री अनामिका कहैत छथिन ‘बिहारक बेशी कनियां विस्‍थापित पतिगणक कनियां छथि ।‘सिंदूर तिलकित भाल’ ओइ ठाम सर्वदा चिंताक गहीर रेखाक पुंज रहल छैक । ....भूमंडलीकरणक बादो ई स्थिति अछि जे मिथिला ,तिरहुत ,वैशाली ,सारण आ चंपारण यानी गंगा पारक बिहारी गांव सब तरहें पुरूषविहीन भ’ गेल छैक ।......सब पिया परदेशी पिया छथि ओइ ठाम ।गांव मे बचल छथि –वृद्धा ,परित्‍यक्‍ता आ किशोरी सभ ।एहन किशोरी ,जेकर तुरते –तुरत वियाह भेलै या फेर नइ भेल होए ,भेलए ऐ दुआरे नइ जे दहेजक लेल पैसा नइ जुटल हेतइ ।‘ वियाह आ दहेजक ऐ समस्‍या क’ बीच सुनीता कें देखल जाए ।एक तरहें ओ लेखकक पूर्ण वैचारिक प्रतिनिधि अछि ।यद्यपि कखनो कखनो राजदेव ,कृष्‍णानंद आ यशोधर सेहो लेखकक विचार व्‍यक्‍त करैत छथिन ।सुनीता ,सुशीला आ राजदेव मिथिलाक स्‍थायी आबादी ,आ घटक भाय क’ बीच रहबा क’ लेल अभिशप्‍त पीढ़ी ।कृष्‍णानंद सन पढ़ल-लिखल युवकक स्‍थान मिथिला क’ गाम मे कोनो खास नइ ।आ लेखक बिना कोनो हो-हल्‍ला केने नाटक मे ऐ दुष्‍प्रवृत्ति के राखि देने छथि । जीवन आ नाटकक समांतरता ऐठाम समाप्‍त भ’ जाइत छैक आ दूटा अर्द्धवृत्‍त अपन चालि स्‍वभाव कें गमैत जुडि़ जाइत पूर्णवृत्‍त भ’ जाइत अछि ।

रवि भूषण पाठक

डॉक्‍टर साहेब आ स'र सम्‍बन्‍धी

डॉक्‍टर साहेब मूने मून बहुत कम्‍प्‍यूटराईज्‍ड भ' गेलखिन , सब संबंधी के एक टा तराजू पर तौलैत । हुनका त' एते आमदनी छनि ,मांगबेन त' 'एते' मिलिए जेतइ । फलां गाम वला मौसा के तीन टा बस चलइ छैक ,ओहो एक-दू लाख देबे करता । दरभंगा वाली दीदी क' बेटा ओकील ।छइ त' एक नम्‍मर के चंठ ,मुदा नइ किछु त' गेंहकीए पकड़तए ,कोनो मारि-मोकदमा भेला पर सेहो काज आयत । बाबू क' दोस तीन बेर सँ विधायकी वला चुनाव हारैत ।सभ सँ बेशी दिक हुनके सँ भ' सकैत छैक ।मुदा भगवान चाहथिन त' ईहो कोनो समस्‍या नइ रहत ।फीस नइ लेबइ जांच आ दवाइए मे दुगुणा निकालि लेबइ । ऐ प्रकारक सोच एकटा शांति देलकेन डॉक्‍टर साहेब कें । जिनगी आ समाजक गणित एते जल्‍दी हल नइ दैत छैक तें एकटा विशेष तरहक चिंता अंदर सँ घेर लेलकेन ,मुदा उपर सँ बड्ड आश्‍वस्‍त बूझा रहलखिन ।

डॉक्‍टर साहेब गाम मे

ऐ बेर डॉक्‍टर साहेब गाम के नवीन दृष्टि सँ देखलखिन । लागलए एना जे डॉक्‍टर साहेब आंखि सँ देखइ के बदला एक्‍स-रे सँ देखैत छथिन ।देखनइ कम छेदनइ भेदनइ बेशी । लोक-वेद ,अगल-बगल,गाछी-बिरछी सभ के ऐ चश्‍मा सँ की ई सब तत्‍व क्‍लीनिक चलेबा मे कत्‍ते मदद करतेन । हुनका हवा-पानि ,कक्‍का-बाबा,दोस-महिम सभ मे एकटा योग्‍य दलाल देखेलेन ।एहन दलाल ,जे अप्‍पन कमीशन राखए आ ठीकठाक (आर्थिक दृष्टि सँ) लोक के आनए ।
आब डॉक्‍टर लोकनिक आलोचना के डॉक्‍टर साहेब मुसकुरा मुसकुरा के सुनै छथिन ।ऐ परिचर्चा मे हुनकर अप्‍पन बिजनेस सुधरबा क' मौका
देखाइत छनि।लोक बुझइ छइ कि ई डॉक्‍टर त' आनंदमूर्ति छैक आ डॉक्‍टर साहेब बूझैत छथिन जे ई बिजनेस करबा क' अछि ,तखन ई सब त' सुनइए पड़त ।

Monday 19 March 2012

एकटा नबका डॉक्‍टर

समस्‍तीपुर आ दरभंगा मे जनमल डॉक्‍टर के ऐ सँ बेशी की चाही कि ओकर जन्‍म ओइ क्षेत्र मे भेलै जत' गरीबी ,लचारी क' साम्राज्‍य आ ऐ सँ बेशी ई जे शिक्षाक कम प्रभाव ।से ओ धन्‍यवाद द' रहल छैक भगवान के कि ओकर जन्‍म भेलै बागमती ,महानंदा ,कोशी के बीच मे ,जत' बेमारी क अलगे समानांतर प्रताप छैक ।आ डॉक्‍टरे नइ ओकर अगिलो पीढ़ी क' क्‍लीनिक नीक जँका चलतै ।आ डॉक्‍टर साहेब क' बाबूजी सेहो मिथिला क' प्रति भक्तिभाव सँ भरि गेल छथिन ।संभवत: दोकानक नाम 'मिथिला पॉली क्‍लीनिक ' रहतै ।मिथिला आ ऐ सँ जुड़ल शब्‍दावली बड हिट छइ तें दोकानक प्रसिद्धि आ मोनाफा क' गारंटी सँ पूरा खानदान गदगद छैक ।जल्दिए कोनो मंत्री एकर उद्घाटन करथिन आ शहर क' रिक्‍शा पर हिंदी मे लिखा जेतइ 'मिथिला क' गौरव 'फलां क्‍लीनिक ।

Friday 16 March 2012

तू हम दुनिया

ओ कहैत छथिन नौकरी क' दस साल बीति गेल

हम कहलियेन पच्‍च्‍ीस साल त' बचले अछि

जमीन ,मकान ,गाड़ी क' सेहन्‍ता नेने

हमरा असफल सिद्ध करबाक अषड्यंत्र

कखनो फलनमा के दुमहला क' सीमेंट सँ अधीर होइत

कखनो चिलनमी के बाला ,नथिया सँ व्‍यग्र

हम बौंसैत हाथ जोड़ैत नोर चूबैत

कखनो बिन तेले के तेल लगबैत

कखनो जामुन लाल क लंबाई

सेब सम‍तोला क'गोलाई चमक सँ विक्षिप्‍त

अंगूर खीरा क' लत्‍ती मे फॅंसैत

लतामक चिक्‍कन अबाह डांरि पर ओजन देने

ओ अपसियांत भ' रहल छथि ।

हमरा बजबा देखेबा

कहबा सुनेबा क' लेल

समान घटि रहल अछि निरंतर ।

आब यदि ओ देखेता फलनमा के बैंक खाता

हम देखा देबेन अपन सुगर बी0पी0 क' रिपोर्ट

हुनकर पंचाधिक शुन्‍य

आ हमर एकटा शुन्‍य !!!!

सलमान शाहरूख क' पेट करेजा हम किएक देखी ?

चाहे संजय बनारसी हों वा

मधुबनीया विनय रंजन

हम अप्‍पन पेटक तुलना करैत

मुस्‍कुरा रहल छी ।

ओ फेर व्‍यस्‍त बिलाइत

अपन दुनिया मे

भिड़बैत दिमाग

खोजैत आरोप शिकायत उपराग

रोड पर ओहिना साईकिल क' आवाजाही

पाईडिल ,घंटी ,चेन ,ब्रेक क' दैनंदिनी ।

Thursday 15 March 2012

तू धवलकीर्ति

D

तों रहै छें केंद्र मे

आ हम सीमान पर

हम बाध बोन गाछी बिरछी

कखनो लटकल लत्‍ती पत्‍ती

कखनो चरहल मचान पर

भीट्ठा क' ढ़ेपा फोड़ैत

गोबर गोंत बथान पर

तू धवलकीर्ति विज्ञापित जन

मैथिली क' सुरूज चान पर ।

हमरा लेल खेत खून

तोरा लेल महाकाव्‍यक भाषा

हमर अस्‍तव्‍यस्‍तता ,परेशानीक पसेना

आ तोहर क्रीचक निशान भाषा पर

हमर दिन राति जिनगी

तोहर पावनि तिहार महत्‍वाकांक्षा

तोहर मंच माईक मैनीपुलेशन

हमर भाषा क' विजातीय शब्‍द

तोरा लेल दाग विराग

हमरा लेल अनुभवक इंद्रधनुष

छीट कैलिडोस्‍कोप ।

कोन पटरी रस्‍सी लग्‍गा सँ

नापबहक हमर भदेसपन

दिशा ,जाति ,गोत्र ,छंद

रस ,अलंकार ,विधा ,व्‍याकरणक

कोन अष्‍टाध्‍यायी

मुदा हमहूं रहब' संग संग

हम्‍मर बेईज्‍जती क' दर्पण मे

तोहर ईज्‍जतक रंग खूब खुलत' दोस

तोहीं ने छहो खॉंटी मैथिलीपुत्र

हम्‍मर भदेसपन मे

तोरा सोइत साबित करबा लेल

कम शब्‍द क' जरूरी हेतइ

बस हम एही लेल लिखइ छी ।

Wednesday 14 March 2012

शंभू बाबू क' कविता




न्‍यूटनक सिद्धांत

वस्‍तु सतत रहै चलायमान

जखन बल करै ने कोनो काम

ई भेल न्‍यूटनक कोन सिद्धांत

ई भेल न्‍यूटनक प्रथम सिद्धांत

गमता दर ज्‍यों बढि़ के भागए

बल ओहि दरें प्रभाव जमाबए

ई भेल न्‍यूटनक कोन सिद्धांत

ई भेल न्‍यूटनक द्वितीय सिद्धांत

क्रिया प्रतिक्रिया संग संग आबै

अपन प्रभाव विपरीत जमाबै

ई भेल न्‍यूटनक कोन सिद्धांत

ई भेल न्‍यूटनक तृतीय सिद्धांत


व्‍याख्‍या-
प्रथम नियम सँ बल के जानू

दोसर सँ अहॉ बल के नापू

क्रिया-प्रतिक्रिया करै पहचान

तेसरे चलबै वायुयान

ई भेल न्‍यूटनक पूर्ण व्‍याख्‍यान ।



पाकल आम

पाकल आम ,पाकल आम

राजा रंक साधु आ दुखिया

समरूपे खाए भरि पथिया

कौआ कुकुरो खाय अघाय

नहि किछु लागै कौड़ी दाम

पाकल आम ,पाकल आम

ठोहि पाडि़ के चीन्‍नी कानै

हा हमरा कुकुरो नहिं मानै

खाजा मुंगबा नोर चुआबै

नहि लै केओ हमरो नाम

पाकल आम ,पाकल आम

तीमनक लागल सेहो सचार

भात दालि पर रहै अंचार

चोभू एकरा आठो याम

पाकल आम ,पाकल आम


(शंभू नाथ झा ,रिटायर्ड प्रधानाचार्य उच्‍च विद्यालय वैद्यनाथ पुर ,समस्‍तीपुर ,मो0 07352400870)

कविता नीक लागै ,तखन मरसैब कें जरूर फोन करब ,ताकि किछु आर कविता हमरा सभ कें प्राप्‍त भ' सकै ।

Monday 5 March 2012

होली गीतक विश्‍लेषण

होली गीतक विश्‍लेषण


कर्ता -हम ,हम्‍मर
कर्म - उ ,ओकरा ,तू ,तोहर
करण-हाथ ,आंखि ,ठोर ,पिचकारी(आधुनिक कवि पूरा देह)
संप्रदान-दर्शन ,स्‍पर्श ,आलिंगन ,गीत ,नृत्‍य
अपादान -देह ,साड़ी ,आंगी ,चोली (आधुनिक कवि जींस ,स्‍कर्ट)
अधिकरण -खेत ,छत ,नदीतट ,गाछी ,शहर ,सिनेमा हॉल ,इसकूल ,कॉलेज

परिणाम -देश दुनिया साहिर इन्‍दीवर के बिसरि गेलइ
बूच ,महेन्‍दर मिसिर मरि जरि गेलइ
चनद्रमणि सन कतेको मणि एकात भ' गेलइ
आ सरलाहा गीतकार ,गेन्‍हाइत संगीतज्ञ आ कैसेट मालिकक तीनमहला ठाढ़ भ' गेलइ

होली क' शुभकामना

मैथिलि--काव्य: GAJAL

मैथिलि--काव्य: GAJAL: जोइड़ अपन ह्रदय अहाँ सँ तोइड़ देलहूँ सम्बन्ध जहाँ सँ रहब सदिखन संगे खेलहूँ शपति छोइड़ देलहूँ जखने पड़ल विपति मनक आश हमर मने रहिग...

Sunday 4 March 2012

"विआह"


सुनि गप्प विआह कें

मन अध्हर्षित अध्दुखित भेल |


सुझाए लागल ब्रह्माण्ड हमरा

तन-मन आकुल-व्याकुल भेल ||



क्षणिक सोइच आनन्द विआह कें

हम कुदअ लगलौं चाईर-चाईर हाथ |


द' चौबनियाँ मुस्कान

हम गुद्गुदाए लगलौं भईर-भईर राइत ||



नै छलौं देखने हुनका

नै छल हुनकर कोनो ज्ञान |


नै जानि तइयौ हुनके

कियाक बुझैत छलौं अपन प्राण ||



अचानक केखनो क' हमरा

मन मे भ' जाइत छल  साइत --

नै जानि ओ केहन हेती

अनाड़ी हेती या व्यावहारिक हेती !

बुझल छल हमरा एतबाए

हुनक व्यस(उम्र) छनि सोलह साल |


तांए डेराइत छलौं हम

कोना करब "प्रेमक' बात ||



बुझल छल हमरा एतबाए

ओ नैन्ना हम स्यान |

तांए डेराइत छलौं हम

कोना करब एकहि घाट हम स्नान ||



मुदा मन के बुझअलौं- की करबअ ?

मिथिला कें छै इहाए विधान

"कनियाँ नैन्ना " आ "वर स्यान " ||



:गणेश कुमार झा "बावरा"

गुवाहाटी