Followers

Tuesday 12 April 2016

धरमपुर मे बाबू श्रद्धानंद सिंह

मधुबनी मे बिशुनपुर रोड ।बिशुनपुर रोड पर बजार सँ सटल गाम धरमपुर ।धरमपुर मे ब्राह्मण ,राजपूत,यादव आ कुरमीक आधिक्‍य ।बाभन आ राजपूतक गाम मे बेशी लंठई ,मुदा यादव आ कुरमियो ककरो सँ कम नइ ।धरमपुरक हरेक आदमी टेटिया क' बात करत ,बूरहो आ बच्‍चो ,जेकरा बेशी सुसभ्‍य मानबै ,सेहो कुनो कुकाण्‍डे बतियायत ।आ बजारक लगीच होइतो ई बजारक रूप नइ धेलकै ।दुकान सब खुलै ,मुदा धरमपुरवासी एत्‍ते ने उधारक जाल फेकथिन ,जे दोकान के बंदे कर' पड़ै ,आ उधार नइ देबै त' गारि सुनु आ अधराति आ भोरकी राति मे चोरी क' लेल तैयार रहू । केवाड़ मजगूत राखबै त' मलादि विसर्जन सँ ओकरा के रोकि सकैत छैक ,आ यदि पैखानोक व्‍यवस्‍था नइ होए त' कतौ मरलका बिलाइ-कुकुर मिलि जाए ,तत्‍काल एहिए सँ काज चलि सकैत छैक ।आ एहने प्रसिद्ध मोहल्‍ला मे रहै छथिन बाबू श्रद्धानंद सिंह  ।रोडे पर तीन बिगहाक एके टा खेत आ रोडे दिस सँ दू कट्ठा मे नबका बनल मकान ।सुनै छियै जे मकान बनेबा लेल तीन बिगहा के पौने तीन कर' पड़लै आ बेटीक बियाह मे पौने तीन सँ अरहाई भ' गेलै ।आब सब परानी सप्‍पत खेने छथिन जे ऐ मे सँ एक धुर नइ निकल' देबै ,मुदा छौड़ा कहैत छैक जे चारि-पांच कट्ठा यदि कुनो बिल्‍डर के द' देल जाए त' पनरह-बीस टा फ्लैट निकलि सकैत छैक ।आ ऐ सँ नीक आमदनी संभव ।ई प्रकरण कतेको बेर घर मे विवादक कारण बनल छैक ,देखियौ आगू की होइत छैक ।