Followers

Thursday 21 January 2016

आदरनीय सुरेश चौधरी जी(मास्‍टर साहेब)


आदरनीय सुरेश चौधरी जी(मास्‍टर साहेब)
प्रणाम ,आशा अछि दिनुका फोन वला संवाद अहां के यादि होयत ।आब फेर सँ फरिछा के कह' चाहै छी जे उदयनाचार्य मिथिला पुस्‍तकालय के चार छाड़ै लेल जे चंदा अहां मांगलौं ,से हम देबा मे असमर्थ छी ।जइ पइसा आ जइ कोष सँ अहां विद्यालयक शेष रूमक छड़ौनी करेबए तहिया कोष सँ कनेक पुस्‍तकालय पर सेहो ध्‍यान द' देबै ।आब पुस्‍तकालयक स्थिति अहां सँ बांचल त' अछि नइ ।अहां त' देखते हेबै जे कत्‍ते आदमी पुस्‍तकालय पर परहै लेल आबैत छथिन आ कत्‍ते लोक कें एकर श्रीवृद्धिक चिन्‍ता छै ,तखन जे हम पागल जँका पुस्‍तकालयक चून-सिमेंट मे पइसा लगबी से कोन लेल । की गामक सबसँ पैघ बूड़बक हमहीं छी ।यदि छीहो त' ऐ बेरूका लेल माफी ।
अहीं के -.......... दिनुका फोन वला संवाद अहां के यादि होयत ।आब फेर सँ फरिछा के कह' चाहै छी जे उदयनाचार्य मिथिला पुस्‍तकालय के चार छाड़ै लेल जे चंदा अहां मांगलौं ,से हम देबा मे असमर्थ छी ।जइ पइसा आ जइ कोष सँ अहां विद्यालयक शेष रूमक छड़ौनी करेबए तहिया कोष सँ कनेक पुस्‍तकालय पर सेहो ध्‍यान द' देबै ।आब पुस्‍तकालयक स्थिति अहां सँ बांचल त' अछि नइ ।अहां त' देखते हेबै जे कत्‍ते आदमी पुस्‍तकालय पर परहै लेल आबैत छथिन आ कत्‍ते लोक कें एकर श्रीवृद्धिक चिन्‍ता छै ,तखन जे हम पागल जँका पुस्‍तकालयक चून-सिमेंट मे पइसा लगबी से कोन लेल । की गामक सबसँ पैघ बूड़बक हमहीं छी ।यदि छीहो त' ऐ बेरूका लेल माफी ।
अहीं के -..........

Wednesday 20 January 2016

नेसाने-झारू

गालेगाल पान आ कंठ दारू रहै
नाली मे गीरल सम्‍हारू रहै
मुह मे ओकर दुनियाजहानक बात
पीठ पर नेसाने-झारू रहै
की हँसै ,की बाजै ,कखनो कानै
की बात-बेबात बजारू रहै
सप्‍पत बापक भगवानक बाते-बाते
की कहौं कसमकस्‍स जानमारू रहै
भोर गेलै ओ मन्दिर अछिंजल लेने
सांझ भेटलै डोलैत यार चारू रहै

Monday 11 January 2016

सकारल जाए

हयौ हमरा सन पाखंडी केओ नइ
आ ई सुनि के अहांके बड्ड नीक लागल
तखन ईहो सुनि लिय' जे आहूं कोनो कम नइ
अच्‍छे लिय' आब ई खराब लागल
तखन आब ई कैल जाए
 अपन-अपन कमी अपने सकारल जाए
की कहलियै
ई संभवे नइ
तखन फेर कोन बात
कोन चीजक संग साथ

रोहुक गंध

ओमहर रान्‍हल रोहुक गंध
एमहर अठगामा अनुबंध
बजबै रोहुक नीकगर खंउ
नाश होउ तोहर हे पाखंड
डरबै र'स ई जी ई सुआद
कोना के सत्‍त कहब संवाद
ई बौआ जैजमानी छै काल
अंदर-बाहर बदलल हाल
जौं ब्रह्मा लैथ ई आठो गाम
लिय' कूश-जल परनाम !

Sunday 10 January 2016

जा...1

-जा बिगडि़ गेलियै ,हम त' ओहिना मजाक केने छलौं
-हमर संबंध एतबो नइ आ एहनो नइ कि अहां ई मजाक करी
(जा.....)