Followers

Sunday 28 February 2016

मूसक बच्‍चा

मूसक बच्‍चा
कतौ सँ मिलि गेल रहै एकटा मूसक बच्‍चा ।एकदम मनुक्‍खक बच्‍चा सन ।ओहिना छोट-छोट हाथ पाएर आ मुंह ,ओहिना कखनोकाल आंखि ताकै ।भैया ओकरा रूईया मे लपेटके दौरी मे राखि देलकै आ दौरी के चार मे लटका देलकै ।इसकुल सँ एलाक बाद चुपचाप चार मे सँ उतारलकै ,मुदा हलचल बन्‍न रहै ।शायत असुरारि कें नीक लागल रहै.....
(रवि भूषण पाठक वाया चंदन गुहा)

Wednesday 17 February 2016

ओहिना अलसाइत

ओहिना अलसाइत आबैत हेतै शिव कुमार पासवान आ ओहिना अलसाइत खोलैत हेतै पुस्‍तकालयक ताला ,तहिना आंखि बचबैत गामक लोक सब निकलि जाइत हेथिन खेत ,पोखरि आ गाछी दिस ।शिवकुमार सेहो हाफी लैत पूरब-पच्छिम देखैत हेतै ।आ ई जगह सूतए लेल नीक नइ...ओह किछु लोक बैंकक काज सँ आ सुस्‍ताबै लेल पुस्‍तकालयक बेंच पर बैसैत हेथिन ,किछु लोक समै बितबै लेल पूछैत हेथिन शिवकुमार सँ मौसमक हाल ,किछु आदमी ओहिना बातक क्रम बरहेबा लेल पूछैत हेथिन किछु नव छै की ....किछु आदमी डराइत हेथिन जे शिव कुमार पूछि ने दए कि किताब कहिया देबै .....

Sunday 7 February 2016

पाद वौआ पाद

तोरो की तकदीर छौ
पाद वौआ पादराजा बहीर छै
पाद वौआ पाद
नाको गहीर छै
पाद वौआ पाद
झरल ओकर शरीर छै
ताल से ताल बजा
बाहर सब शूरवीर छै
पादक जश्‍न मना

Monday 1 February 2016

देखियौ

क का कि की किछुओ नइ नइ छौड़ा के टाई मुदा टाईट देखियौ
परहाई सब जेहने-तेहने कन्‍वेंटक हिसाब मुदा टाईट देखियौ
मरसैबो मे भउजी -काकी ,बरहर ,गुल्‍लरि आ भाइट देखियौ
इसकुल मने चमकैत देवाल प्‍लास्टिक पेंटक बस हाईट देेखियौ
बैनर-पें‍टिंग सब रंगबिरही की इंटरेनेट पर साईट देखियौ
किछ आबै यै किछु बूझै छी या लेफ्ट देखियौ या राईट देखियौ
ऐथली-मेथली बस हकन लोर
देशी बोली सब कानै छै
बस अंगरेजी भाषा वर्सेस  इंग्लिश मीडियम के फाईट देखियौ