मैथिली साहित्य आ मिथिलाक संस्कृति पर विमर्शक एकटा मंच ।प्राचीन गौरवशाली परंपराक पहचान आ नवीन प्रगतिशील मूल्यक निर्माण लेल एकटा लघु प्रयास ।
Followers
Monday, 19 March 2012
एकटा नबका डॉक्टर
समस्तीपुर आ दरभंगा मे जनमल डॉक्टर के ऐ सँ बेशी की चाही कि ओकर जन्म ओइ क्षेत्र मे भेलै जत' गरीबी ,लचारी क' साम्राज्य आ ऐ सँ बेशी ई जे शिक्षाक कम प्रभाव ।से ओ धन्यवाद द' रहल छैक भगवान के कि ओकर जन्म भेलै बागमती ,महानंदा ,कोशी के बीच मे ,जत' बेमारी क अलगे समानांतर प्रताप छैक ।आ डॉक्टरे नइ ओकर अगिलो पीढ़ी क' क्लीनिक नीक जँका चलतै ।आ डॉक्टर साहेब क' बाबूजी सेहो मिथिला क' प्रति भक्तिभाव सँ भरि गेल छथिन ।संभवत: दोकानक नाम 'मिथिला पॉली क्लीनिक ' रहतै ।मिथिला आ ऐ सँ जुड़ल शब्दावली बड हिट छइ तें दोकानक प्रसिद्धि आ मोनाफा क' गारंटी सँ पूरा खानदान गदगद छैक ।जल्दिए कोनो मंत्री एकर उद्घाटन करथिन आ शहर क' रिक्शा पर हिंदी मे लिखा जेतइ 'मिथिला क' गौरव 'फलां क्लीनिक ।
Subscribe to:
Post Comments (Atom)
No comments:
Post a Comment