Followers

Friday 3 May 2019

कटहर आ सोंगर

मूनबरहु लोक
जेना तीन हाथक गाछ मे चारि हाथक कटहर
आ चारि-चारि टा गारजीयन
जेना कटहर मे लागल चारि-चारि टा सोंगर
कटहर बामा होइ
त' दहिना सोंगर पर प्रेशर
आ कटहर जी दहिनाथिन
त' बामा सोंगर पिसाइ
चारू सोंगर डराइत बितबै दिन-राति
कि जेकरा पर गिरतै ई कटहर
ऊ बुकनी बुकनी ऊ चटनी चटनी
आ कटहर बुकनी-चटनी नइ सोचै
ने सोचै कि गिरबै त' फाटिते पेट
बाहर भ' जेतै सभटा कोवा
आ सभटा सक्‍कतचाम 
कटहर नइ सोचै माखी आ कीड़ी
ऊ करै बस हवाखोरी अबंड बसात संगे