Followers

Tuesday 31 December 2013

mrns

'जय मिथिला '                  "क्रान्ति "                'जय मैथिली '
                                   
                      " जागू मैथिल नै त पहिचान मिट जाएत "                          
                            "  मिथिला राज्य आंदोलन"
मिथिला राज्य अपन अधिकार                             मात्र एक संकल्प ध्यान में 
 ई अछि हर मैथिलक पुकार                                  मिथिला राज्य भारतक संविधान में                                          


                                     "हम मैथिल छी बिहारी नै "
मिथिला राज्य कियाक----
  1.  मिथिला  में मैथिली शिक्षा अनिवार्य 
  2. मिथिलाक समुचित आर्थिक विकाश 
  3. मिथिलाक जनशक्ति के पलायन पर रोक 
  4. मिथिलाक  सभ्यता-   संस्कृतिक  संरक्षण 
  5. मैथिली फ़िल्म आ  पत्रकारिकताक विकाश   आदि.…     आ एही लक्ष्य के प्राप्ति लेल मिथिलावाशी  के अपन राज्य चाही ' मिथिला  राज्य ' । मिथिला राज्य के प्राप्ति हेतु २०१३ में एक संगठन के स्थापना भेल जेकर नाम अछि "मिथिला राज्य निर्माण सेना "(मिरानीसे )… २०१३ में मिरानीसे  ३ टा पुरे मिथिला में जनजागृति हेतु 'रथ यात्रा ' केलक आ कएकटा जनसभा सेहो, आ मिथिला राज्य के औचित्य के राजनितिक मान्यता हेतु विभिन्न राजनितिक दल के नेता सभ स भेंट केलैथ मिरानीसे के प्रतिनिधि आ एही आन्दोलन के आर तीव्र करबाक हेतु मिरानीसे एक पैघ गोष्ठी के आयोजन करे जा रहल अछि १९ , जनवरी ,२०१४ के दिल्ली में , जाहि में एहि आन्दोलन स जुरल आन्दोलनकारी सभ भाग लेता आ आन्दोलन के "दशा आ दिशा " पर  विस्तृत चर्चा होएत  आ निर्णय लेल जाएत जे २०१४  में आन्दोलनक स्वरुप कि होएत … आउ अपनहो सभ एहि आन्दोलन सँ जुड़ू आ माए मिथिला के बिहारी ओपनिवेशवाद सँ मुक्ति दियाउ .. "नववर्षक ढाकी भरि शुभकामना"    

No comments:

Post a Comment