Followers

Friday 18 October 2013

खस्‍सी 2

खस्‍सी चिबाबैत रहलै
जे आगू मे रहै
ने महावीर कें यादि केलकै
ने बुद्ध के बजेलकेन
ने ओकरा हलाली के चिंता रहै
ने झटका क' दुख
कुरबानी आ बलिक आध्‍यात्मिकता पर भेनारी करैत
ओ टोनियाबैत रहलै पीपरक पात
पवित्र मानैत लोक सब सिनुर काजर लगबैत
आ आब ओ रस्‍सी ताननै बंद क' देलकै
कुनो ज्‍योतिष विद्या सँ अनजान खस्‍सी
कें पता चलि गेलै अपन भविष्‍य
जे आबै छलै जयजयकारक बीच
दोसर खस्‍सी सभ सँ
आ खस्‍सी कबीरो के बिसरि गेलै
जे कहि गेलखिन पात बकरी आ आदमी क' विषय मे
बहुत रास बात
वैह बात जे भूतिया गेलै घड़ीघंट आ अजान मे

No comments:

Post a Comment