Followers

Sunday, 13 October 2013

खस्‍सी 1

चारू खस्‍सी के शक ध' लेलकै
कि आब हमर जिनगी कें कमे दिन
चारू खेनै छोडि़ देलकै
ओकरा पता चलि गेलै हरियर घासक मतलब
चारू क' आंखि सँ गिर' लागलै दहो-बहो लोर
चारू कें पता रहैक मंदिर-मस्जिद मे हलचलक मने की ?
आ चारू कें पता रहै कि नवमी आ बकरीद मे एके दिनक अंतर
काटै क' तरीका आ बनबैक मसल्‍ला मे जे अंतर छलै
विचारैत घिन आब' लागलै
वाह रे देवता आ वाह रे दुनिया !

No comments:

Post a Comment