Followers

Saturday 27 October 2012

भाषाक दरोगा


दिल्‍ली मे 'स' के 'श' कहलियै
कलकत्‍ता मे 'स' के 'ष' बनेलियै
हौ दैवा देशे मे विदेशिया कहेलियै
दुआरि के दूरा कहिते भेलियै सोलकनमा
स्‍वर मे लोच घटिते दछिनवरिया कहेलियै
...
डेग डेग पर फैलल दैया भाषा के दरोगबा
केओ कान ऐंठए ओकर नोंचए केश मथबा
नहि त' सरधुआ ई बनायत की बुझलियै

No comments:

Post a Comment