मैथिली साहित्य आ मिथिलाक संस्कृति पर विमर्शक एकटा मंच ।प्राचीन गौरवशाली परंपराक पहचान आ नवीन प्रगतिशील मूल्यक निर्माण लेल एकटा लघु प्रयास ।
Followers
Monday, 16 April 2012
नियोजित कार्यक्रम
दूनू आदमी रहैत छलियै दिल्लिए मे ।दिल्ली एला पर मैथिली मे बतिएनए ,गामघरक चर्चा केनए ,आनो बातचित मे हुनकर सुभाव बड नीक लागै......जइ विभाग मे हम छलियइ ओहिये मे ओहो छलखिन ,दूनू आदमी समान पद पर छलियइ आ विभाग मे एहन जग्गह कम छलै जे बेशी मलगर ,प्रतिष्ठित होए ।कखनो कखनो एहनो मौका एलै कि दूनू आदमी एके जग्गह लेल प्रतिद्वन्द्वी भ' गेलियै.....ऊप्परे झापरे दूनू आदूमी संबंध बनेने रहबा लेल प्रयासरत आ भीतरे भीतर चपलूसी ,कनफूसकी चालू रहै ।ओना ओ हमरा सँ बीस साबित भेला कहला कि गाम जा रहल छी कने हमरो काजधाज देखैत रहब आ गाम जेबा सँ पहिले सब सेटिंग क' नेने रहथि ।कहबा लेल कि भाय हम त' गाम मे रहऊं ,हम की कहौं ,हमरा त' किछु बूझल नइ .....आ सही बात त' सबके बूझाए गेलै ।गाम सँ एला त' विद्यापति पदावली कीन के नेने एला , सुआइते ने ...ओ विद्यापति क' गौंआ छलखिन ने ।....धीरे धीरे ओ आर महीन होइत चलि गेलखिन ,हुनकर बुद्धि ,कला-कौशल के सब मानै ।कोनो बड़का नेता आ ऑफिसर सँ भेंट करबा के हो त' प्रतिनिधिमंडल मे हुनका राखल जाइत छलै ,अपन विद्वतापूर्ण भाषण ,भोजनक मेनु ,'बुके' प्रदान करबाक विनम्रतापूर्ण भाव-भंगिमा सबके बूत्ता क' बात नइ ......आ भाय अपन व्यक्तित्वक अंश अंश कें 'यूज' करबाक नियोजित कार्यक्रम बना नेने छथिन......बड़काक नोकरी 2023 ,बड़काक वियाह 2024 ,छोटकाक नोकरी 2027 ,छोटकाक वियाह 2028 ,दिल्ली मे फलैट कीननए 2029............
Subscribe to:
Post Comments (Atom)
No comments:
Post a Comment