Followers

Sunday, 30 December 2012

MAITHILI SEED STORIES- मैथिली विहनि कथा संग्रह

Friday, 28 December 2012

बस माटि

सौरमंडल परहैत काल वौआ पूछलकै
 कत्‍ते प्रेम हमरा सँ ?
 जत्‍ते दम सँ ग्रह सब फिफिया रहल छै
 सूर्यक पाछू जनम जनम सँ
 आ हमरा लेल कोन व्‍यवस्‍था सोचने छहक ?
 वौआ आइ तक कोनो ग्रह केकरो सँ टकरेलै
 कहां केओ आगू पाछू केलकै
 चालि ओतबे
 सभक स्‍थान निश्चित
 बस अपन दम सँ काज करैत रह
 धक्‍का मुक्‍कीक एकोटा खबर हमरा त' नइ अछि
 तोरा छौ त' बता
 त' हम एत्‍ते प्रतिभाशाली ?
 वौआ रै प्रकाश उधार नेने छै ग्रह
 मौसम जलवायु सब सूरूजे महराजक
 बस माटि तोरा संग छौ
 बस माटि

Tuesday, 25 December 2012

MODERN MAITHILI DRAMA- संकर्षण, मिथिलाक बेटी, पंचवटी, कम्प्रोमाइज, झमेलिया बिआह, नो एण्ट्री: मा प्रविश, रिहर्सल, भाग रौ आ बलचन्दा, बेटीक अपमान आ छीनरदेवी

प्रतिपदा आ समकालीनताक समस्‍या

प्रतिपदा सँ जुड़ल सब सदस्‍य आ लेखक ,कवि कें बधाई , आई ई एगारह सौ क' कांटा पार क' लेलक ,निश्चित रूपेण मैथिली साहित्‍य सँ जुड़ल कतेको समूह ऐ सँ बेशी झमोटगर अछि ,मुदा ओकर पात ,डांट फूल ,फल आ छायाक चिंता हमरा करबाक जरूरत नइ ।


प्रतिपदा कोनो विशेष प्रकाशन समूह ,लेखक वृन्‍द आ धाराक अगुआई नइ करैत छैक ,करबाक ज‍रूरियो नइ बूझैत छैक ,ई सभ तरहक लेखक ,विधा आ शिल्‍प में अद्भुत आ अद्वितीयक आह्वान करैत छैक ।मतलब एहन कि देखिते बूझा जाए 'जा एहन त' कहियो देखबे नइ केने छलियइ ' ।मुदा ऐ अद्वितीयता मे तमाम तरहक संतुलन होएबाक चाही ,ई बात कहबाक जरूरी ऐ ठाम नइ । हां लेखन मे सभ तरहक भेडि़याधसानक हम विरोध करैत रहब ।विषयक ,भाषाक ,शैलीक ,विधाक आ आनोआन रूटीन एकदम निकृष्‍ट आ निषिद्ध रहत ।


किछु नया काज सेहो होएबाक चाही ।आ राघवेंद्र कुमार ठाकुर आ बाल मुकुंद पाठक सँ विशेष आग्रह कि ओ विधागत अभिनवता दिशि ध्‍यान दैत किछु नया जोड़बाक प्रयास करता ।आ ई आग्रह सभ गोटे सँ कि हरेक विषय आ विधा मे खूब प‍ढ़ैथ तखने अभिनवता संभव ।


सभसँ जरूरी ई कि प्रतिपदाक गठन जइ उद्देश्‍य लेल भेल ओ एखनो अपेक्षिते अछि ।एहन साहित्‍य जइ मे मैथिल समाजक संपूर्ण चित्र होए, फोटोस्‍टेट आ कार्बनकॉपी नइ ,रचनात्‍मक रेखा आ वृत्‍त जइ मे अपेक्षित प्रत्‍यास्‍थता होए आ ओ तुलनात्‍मक रूपें (आनो भाषा आ साहित्‍य सँ) महत्‍वपूर्ण साबित होए ।मुदा निराश हेबाक जरूरी नइ छैक ,यात्रा त' आबे प्रारंभे भेल अछि..............

Thursday, 20 December 2012

FARMHOUSE CHICKEN EFFECT-ALL WHITE, BRAHMIN AND IMPOTENT -SAHITYA AKADEMI ANNOUNCES YUVA AWARD IN MAITHILI (REPORT GAJENDRA THAKUR)


१
साहित्य अकादेमी द्वारा युवा पुरस्कारक भेल घोषणा। हिन्दीमे लिखैबला द्वारा मैथिलीमे मात्र पुरस्कार लेल लिखल जेबाक प्रवृत्ति, जे सुखाएल मुख्यधारामे पहिनेसँ रहल अछि, आ तकरा (नव) ब्राह्मणवादक अन्तर्गत पुरस्कृत कएल जेबाक प्रवृत्ति ओइमे सेहो रहल अछि, आब तकर प्रसार ओ अपन जातिवादी युवा मध्य केलक अछि । चेतना समिति आदि संस्था (नव) ब्राह्मणवादी कट्टरताकेँ ब्राह्मण युवा वर्ग मध्य पसारैत रहबाक चेष्टा करैत रहैत अछि। पोथीक क्वालिटीक स्थानपर चमचागिरी, लेखकीय दायित्वक स्थानपर जातिवादी कट्टरता चलिते रहत? स्टेटस कोइस्ट युवाकेँ, वैज्ञानिक (नव) ब्राह्मणवादी युवा जे अहाँक जातिवादी विचारधाराकेँ चैलेन्ज केनाइ तँ दूर, ओइमे सहयोग करए, की ऐ तरहक तत्वकेँ बढ़ावा दऽ अहाँ मैथिली साहित्यक पुनर्जागरण बाधक तत्व नै बनि रहल छी।

"निश्तुकी" कविता संग्रहकेँ पुरस्कार नै भेटए ओइ लेल महेन्द्र झाकेँ सहरसा" सँ, देवेन्द्र झाकेँ मधुबनी (संप्रति मुजफ्फरपुर)सँ आ योगानन्द झाकेँ बदनाम कबिलपुर गैंगसँ बजाओल गेल आ ई भार देल गेल। आ ओ सभ चुनलन्हि अरुणाभ "झा" सौरभ केँ। सायास "निश्तुकी" कविता संग्रह साहित्य अकादेमी द्वारा नै मंगाओल गेल, जे एकटा इलीगल काज अछि। हरबर-दरबरमे निर्णय कएल गेल, आब जएह पोथी आबि सकल ओही मध्यसँ ने निर्णय हएत, से तर्क देल गेल। पूर्ण रूपसँ फार्म हाउस चिकेन (उज्जर, ब्राह्मण आ नपुंसक) मैथिल ब्राह्मण जूरी चुनल गेल जे कोनो रिस्क नै रहए।
ऐ इलीगल काजकेँ हर स्तरपर चुनौती देल जाएत।
मूल पुरस्कार लेल शेफालिका वर्माकेँ चुनल गेल छन्हि आ अनुवाद पुरस्कार लेल महेन्द्र नारायण रामकेँ- दुनू गोटेकेँ बधाइ। संगमे नचिकेताक "नो एण्ट्री: मा प्रविश", सुभाष चन्द्र यादवक "बनैत बिगड़ैत" आ जगदीश प्रसाद मण्डलक "गामक जिनगी"क विरुद्ध "निश्तुकी" विरोधी तत्व जे तीन सालसँ जान प्राण लगेने अछि जे ऐ पोथी सभकेँ मूल पुरस्कार नै भेटैक, से घोर निन्दनीय अछि। "नो एण्ट्री: मा प्रविश" २००८ मे प्रकाशित रहै आ ई किताब अगिला सालसँ पुरस्कारक रेसमे नै रहत, ऐ पोथीकेँ मूल साहित्य अकादेमी नै भेटि सकत। मुदा की एकर स्थान मैथिलीक पहिल आ एखन धरिक एकमात्र पोस्टमॉडर्न ड्रामाक रूपमे बरकार नै रहत, की ब्राह्मणवादी विचारधारा ई स्थान ऐ पोथीसँ छीनि सकत? सुभाष चन्द्र यादवक "बनैत बिगड़ैत" आ जगदीश प्रसाद मण्डलक "गामक जिनगी" अगिला साल सेहो रेसमे रहत। मुदा तारानन्द वियोगी आ महेन्द्र नारायण राम किए (नव वैज्ञानिक) ब्राह्मणवाद द्वारा स्वीकृत छथि आ सुभाष चन्द्र यादव आ मेघन प्रसाद अस्वीकृत ओइ आलोकमे सुभाष चन्द्र यादवक "बनैत बिगड़ैत" क विरुद्ध रामदेव झा- योगानन्द झा- महेन्द्र मलंगिया-मोहन भारद्वाज-मायानन्द मिश्र आदिक षडयंत्र सफल भैयो जँ जाए तँ की सुभाष चन्द्र यादवक मैथिली पाठकक हृदए मे जे स्थान छै, से की कम कऽ सकत ई षडयंत्रकारी सभ? जगदीश प्रसाद मण्डलक "गामक जिनगी"क स्थान मैथिलीक आइ धरिक सर्वश्रेष्ठ लघुकथा संग्रहक रूपमे बनि गेल अछि, की ओ स्थान कियो दोसर छीनि सकत?
पढ़ू निश्तुकी आ चमेटा मारू महेन्द्र झा, देवेन्द्र झा आ योगानन्द झाकेँ -
निश्तुकी
नीचाँमे युवा पुरस्कारक साहित्य अकादेमीक निर्णय तीन पन्ना दऽ रहल छी, एकर प्रिंट आउट करू आ मिथिलाक गाम-गाममे जराबू।
२
विदेहक सम्बन्धमे धीरेन्द्र प्रेमर्षिकेँ एकटा फकड़ा मोन पड़ल छलन्हि- "खस्सी-बकरी एक्कहि धोकरी"। राजा सलहेसक गाथामे जतऽ सलहेस राजा रहै छथि चूहड़मल चोर भऽ जाइ छथि आ जतऽ चूहड़मल राजा रहै छथि सलहेस चोर भऽ जाइ छथि। साहित्यक ब्राह्मणवाद जातिक आधारपर समीक्षा करैए, समानान्तर परम्पराक उदारवाद कट्टरता विरोधी अछि। समानान्तर परम्परा मिथिला आ मैथिलीक उदार परम्पराकेँ रेखांकित करैए तँ ब्राह्मणवादी समीक्षाकेँ मिथिलाक  कट्टर तत्व प्रभावित करै छै। समानान्तर परम्पराक घोड़ा ब्राह्मणवादी समीक्षामे गधा बनि जाइए, आ ब्राह्मणवादी साहित्यमे तँ गधा छैहे नै, सभ घोड़ाक खोल ओढ़ने छै। आ सएह कारण रहल जे मैथिलीक सुखाएल मुख्य धाराक साहित्य दब अछि। आ सएह कारण रहल जे अतुकान्त कविता हुअए बा तुकान्त, बहरयुक्त गजल हुअए बा आजाद गजल; रोला, दोहा,कुण्डलिया, रुबाइ, कसीदा, नात, हजल, हाइकू, हैबून बा टनका-वाका सभ ठाम समानान्तर परम्परा कतऽ सँ कतऽ बढ़ि गेल; नाटक-उपन्यास-समीक्षा, विहनि-लघु-दीर्घ कथा सभ क्षेत्रमे अद्भुत साहित्य मैथिलीक समानान्तर परम्परामे लिखल गेल मुदा ब्राह्मणवादी सुखाएल मुख्यधारा आ जातिवादी रंगमंच छल-प्रपंच आ सरकारी संस्थापर नियंत्रणक अछैत मरनासन्न अछि।



नीचाँमे युवा पुरस्कारक साहित्य अकादेमीक निर्णय तीन पन्ना दऽ रहल छी, एकर प्रिंट आउट करू आ मिथिलाक गाम-गाममे जराबू।