Followers

Friday 28 December 2012

बस माटि

सौरमंडल परहैत काल वौआ पूछलकै
 कत्‍ते प्रेम हमरा सँ ?
 जत्‍ते दम सँ ग्रह सब फिफिया रहल छै
 सूर्यक पाछू जनम जनम सँ
 आ हमरा लेल कोन व्‍यवस्‍था सोचने छहक ?
 वौआ आइ तक कोनो ग्रह केकरो सँ टकरेलै
 कहां केओ आगू पाछू केलकै
 चालि ओतबे
 सभक स्‍थान निश्चित
 बस अपन दम सँ काज करैत रह
 धक्‍का मुक्‍कीक एकोटा खबर हमरा त' नइ अछि
 तोरा छौ त' बता
 त' हम एत्‍ते प्रतिभाशाली ?
 वौआ रै प्रकाश उधार नेने छै ग्रह
 मौसम जलवायु सब सूरूजे महराजक
 बस माटि तोरा संग छौ
 बस माटि

No comments:

Post a Comment