Followers

Saturday 8 March 2014

सौ पर

प‍ंडी जी एकदम सौ पर उड़ेने रहियौ
हम जानै छी अहांक स्‍पीडक मतलब
मतलब ई कि असल बापक बच्‍चा त' छुइ के देखा
आ मतलब ईहो कि केओ पैंच आपस मांगै वला
या फेर कुनो जजिमानक श्राद्ध,बरखी ,उपनैन
आ मंत्रो एहिना सौ के स्‍पीड पर
भगवान सुनथिन या जजिमान सुनथिन
आ भगवान नहियो सुनथिन त' जजिमान जरूर सुनथु
से एकदम उड़ेने रहियौ मोटर सौ के लगभगेने
आ पंडी जी जानैथ रहथिन कि
स्‍पीडोमीटर मे दू टा रेखा रहै
एगो लाल एगो हरियर
आ जखन लाल मोट रहै त' हरियर पातर
आ हरियर जेना-जेना मोट होए ललका दुबरायल जाए
आ पंडी जी ईहो जानैत रहथिन कि
जा तक पूरा श्रद्धा-भक्ति सँ पूजेलखिन
हुनकर कांटा दुबराइते रहलेन
से रहथु भगवान अपना घर
आ जजिमान अपना घर
आ पंडी जी बरहा देलखिन स्‍पीड
कखनो सौ कखनो कनेक कम.

No comments:

Post a Comment