Followers

Monday 28 January 2013

कुंभ 2

आ देवता कत्‍त'  ?
 मलहबा कहै जत्‍त हम ल' चली
 पंडा सभ कहै हमरा मंत्रक अधीन
 माहात्‍म्‍य वाचक कहथिन
 हमरा कथा मे हमर विधि मे हमर सिद्धि मे
 आ गप्‍पी सभ कहै
 ने तोहर बपौटी मे
 ने हमरा चुनौटी मे
 आ हाकिम सभ व्‍यस्‍त रहै
 रोड बनबै मे नाना खुनै मे
 राति के बड़का हाकिम के सपना आबै
 वौआ सभ चीज तोरें सँ
 सभ देवता आ सभ दिशा
 तोरे अधीन
 आ कुंभ सुंदरी कें सेहो लागै
 जे देवता ओकरे अधीन
 से जखन बूझाय
 जे देवता ओकरा ठोर दिस ताकै छथिन
 त' ओ मुंह बन्‍न क' लै
 आ जखन बूझाय जे
 देवता विराजमान आंखिक डिम्‍मा मे
 त' आंखि बन्‍न क' लै
 आ लोक वेद डॉक्‍टर नर्स
 परेशान परेशान
 जे कुंभ सुंदरी कें भेंलेन
 त' की भेलेन

No comments:

Post a Comment