Followers

Monday 28 January 2013

कुंभ 1


 तिरमुहानी देखलौं त' की देखलौं
 मानसी सिमरिया देखलौं त' की देखलौं
 आ किछो नइ देखलौं
 यदि नइ देखलौं महाकुंभ
 तखन की देखलौं
 रंगबिरही बाबा सब
 आ रंगबिरही चुट्टा
 रंगबिरही मोंछ केश
 रंगबिरही सोटा
 आ किसिम किसिम केर मठाधीश
 देश दुनियाक ऊचक्‍का
 देश दुनियाक छिनाडि़
 देश दुनियाक बिहाडि़
 लंठ लोभी चंठ कामी
 गगनचुंबी समियाना
 आ जीवन धन्‍य हेबाक
 बरबरनी विज्ञापन
 धरमधीश सभक
 छोट बड़ कमंडल
 आ जनसमुद्रक
 पतित पाखंड
 नइ देखलौं त' की देखलौं

No comments:

Post a Comment