Followers

Friday 26 October 2012

इंटरनेटिया पीढ़ी आ रामसरूप भाय

वौआ राखने छैक
संस्‍कारक लिंक
आ सभ्‍यताक सी0डी0
इतिहासक कतेको मोड़
ओकर इनसाइक्‍लोपीडिया मे सुरक्षित छैक
आ बुच्‍ची जत्‍ते छइ
ओतबे नइ छइ
फेसबुक टिवटर पर अठारह नाम सँ उपस्थित
बुच्‍ची ल' रहल छैक मजा
कखनो बापो पित्‍ती सँ मजाक करैत
पुरूषप्रधानक समाजक एक-दूटा केश जरूरे उखाडि़ लैत छैक
आ तैयो ओ कहैत छथिन जे हमर केओ की उ‍खाडि़ सकैत अछि
बात ईहो नइ कि ई पीढ़ी भ' गेलै दुखदर्द सँ दूर
जमीन-अकाशक बीच कुनो त्रिशंकु
चोट ओकरो एतबे सालै
जत्‍ते कि रामसरूप भाय के
आ रामसरूप भाय एकदिन विदा भ' गेलखिन गाम सँ
एकदम उत्‍तरवरिया रोड धेने
केओ कहै कि ओ चलि गेलखिन समधि सँ झगड़ा करबा लेल
कोनो दहेज-पैंचक बात
वा कोनो उपराग-गारि
जे करेजे मे धसि गेल हो
केओ कहै जे जइ मंडली मे काज करैत रहथिन
ओकरे बंगालिन जादू क' देलकै
आ रामसरूप भाय ओकरे ताकबा लेल
विदा भ' गेलखिन अनहारे
ओना ई बात बूझि लिय'
जे ओमर अस्‍सी साल हुनकर
आ साधल गला बीस बाईसक
एकटा तर्क ईहो भेटल कि
बेटा पुतौहक कोनो बात सँ परेशान
रामसरूप भाय विरक्‍त भ' गेला
आ ध' लेलखिन उत्‍तरवरिया रस्‍ता
केओ कहलकेन कि उत्‍तर बरहैत बरहैत हिमालय तक जा सकैत छी
गामक पचासो छौड़ा ढ़ूरि रहल छैक
फोटो आ पहचान देने
फेसबुक टिवटर पर हुनका
ई परोपकारी परमार्थी पीढ़ी थिकै
दुनियाक उद्धारक लेल दृढ़संकल्पित
बकुट्टा मे मॉडम कैमरा राखने

































No comments:

Post a Comment