Followers

Friday 30 September 2011

वाल (wall.e )

2008 मे ' वाल्‍ट डिजनी पिक्‍चर्स ' द्वारा बनल फिल्‍म दशकक सर्वाधिक रचनात्‍मक फिल्‍म मानल गेल छैक ।सर्वोत्‍कृष्‍ट एनिमेशनक ऑस्‍कर जीतइ वला ई फिल्‍म नया सोचए वला आ मौलिक काज करए वला व्‍यक्ति क लेल संभावित आ कठिन जीतक मार्ग प्रशस्‍त करैत छैक ।फिल्‍म क एकटा महत्‍वपूर्ण पहलू ई छैक कि पूर्वाद्ध मे मौखिक भाषा क प्रयोग लगभग नदारद छैक आ फिल्‍म संकेतक माध्‍यम सँ आगू बढ़ैत छैक ।साहित्‍य आ संस्‍कृति क वाचाल मुख्‍यधाराक समक्ष चुनौती बनैत ई फिल्‍म मौन मे निहित अभिव्‍यंजना के गौरवान्वित करैत छैक ।
                                     ई फिल्‍म विज्ञानक अतिवाद आ प्रदूषणक महामारी सँ जूझैत मानव सभ्‍यता क एकटा दुखद पक्ष सँ परिचित करबैत छैक ।असह्य प्रदूषण सँ पीडि़त मानव समुदाय अपन बसेरा अंतरिक्ष मे बनबैत अछि आ धरती क रखरखाव क जिम्‍मेदारी बहुतो रास रोबोट के द' दैत छैक , ऐ रोबोट वर्ग क एकटा सदस्‍य वाल छैक ,जे कूड़ा निबटाबए क जटिल क्रिया मे व्‍यस्‍त रहैत छैक ।अंतरिक्ष मे रहए वला मानव समुदाय विभिन्‍न प्रक्रिया सँ धरती पर होमए वला परिवर्तन पर नजर राखैत अछि ,ऐ क्रम मे एकटा शटल धरती पर उतरैत  अछि आ शटल सँ उतरल अपेक्षाकृत विकसित किस्‍मक रोबोट 'एव'सँ जुड़ैत अछि ,फिल्‍म मे दूनू रोबोटक अंत:क्रिया आ जनमैत सिनेह क लेल स्‍वीकृत सिनेमाई अंदाज अद्भुत आ काव्‍यात्‍मक अछि ।एव नामक रोबोटक आगमन धरती पर हरियरी क खोज लेल भेल छैक आ धरती पर हरियरी देखिते एव एकटा छोटछीन गाछ ल के विदा होइत अछि ।एव के साथ वाल सेहो अंतरिक्ष जाइत अछि आ आरामतलब मानव समुदाय क मशीनक विरूद्ध संघर्ष तखन नवीन दिशा ग्रहण करैत छैक जखन अंतरिक्ष स्थित कप्‍तानक आदेश मानए सँ आटो नामक विशिष्‍ट रोबोट इंकार क दैत अछि ।

No comments:

Post a Comment