Followers

Saturday 1 December 2018

हे राम अहां केर रामकथा

देशभक्ति गीत
हे राम अहां केर राम कथा ,हे कृष्‍ण अहां केर कृष्‍ण कथा
भारत के नाम बढ़ौने छथि भारत के नाम बढ़ौने छथि
दूनू भारत भूमि मे जन्‍म लेलथि ,भारत के शक्ति बढ़ौने छथि
भारत के शान बनौने छथि भारत के शान बनौने छथि
गंगा-जमुना तट कावेरी ,कृष्‍णा केर पावन तट स्थित
जत' मुनिजन ध्‍यान धरौने छथि भारत के नाम बढ़ौने छथि
उत्‍तर मे वीर हिमालय के ,नदीगण सब पैर पखारै छथि
दक्खिन समुद्र अति महाबली ,दुश्‍मन के देख खेहारै छथि
बस यादि रहै लछमी बाई , गांधी ,नेहरू आ अंबेडकर
बस यादि रहै आजाद ,भगत ,इज्‍जत देशक रहै अक्षत
हे राम अहां केर रामकथा ,हे कृष्‍ण अहां केर कृष्‍णकथा
भारत के नाम बढ़ौने छथि भारत के नाम बढ़ौने छथि
बस हरियर खेतखरिहान रहै आ देशक सबल सीमान रहै
यैह शपथ अपन ,जय जन जीवन ,यैह शपथ अपन ,जय जन जीवन
हे राम अहां केर राम कथा ,हे कृष्‍ण अहां केर कृष्‍ण कथा
भारत के नाम बढ़ौने छथि भारत के नाम बढ़ौने छथि
(रामदाय पाठक

No comments:

Post a Comment