गाम आब गाम नइ छलै
चिक्कन रोड देवाल आ लोक क चमक सँ आंखि चोन्हाइत रहै
वैह सूचना आ ओहने समाद गामो मे लहराइत रहै
ओहने रंग-ढ़ंग ,कपड़ा-लत्ता आ हेन-टेन मे ढ़ूरह' लागलियै कि
ऐ मे गाम किमहर गुम्म भ' गेलै
आ शुरू केलियै उतरवारी टोल सँ यात्रा
बजबा मे कनेक लैस त' रहै
मुदा सभ ठाम काजक कसमकस्स रहै
ओत्त' सँ सीधे पूब भ' गेलौं
पूरा टोले खाली रहै
केओ पटना केओ नोआखाली रहै
ओइ ठाम सँ सीधे दछिनबारी कात वला रस्ता पकडि़ लेलियै
दछिनबारी टोल मे किछु गाम बचल रहै
मुदा टूटल रहै अलंग-अलंग
पिझाइत-मिझाइत पहुंचलौ गाम पर
आ ओछैन पर बैसिते झोंक' लागल नीन
आ नीन मे धखाइत देह रहै ,सपना रहै
आ सपना मे किसिम -किसिमक गाम

No comments:
Post a Comment