Followers

Sunday 2 June 2013

गाम आ कचरा

बड्ड मोन प्रसन्‍न भेल
गाम मे आब' लागलै समान
साइकिल पर ,रिक्‍शा पर ,ट्रैक्‍टर-टराक पर
एक सँ एक आधुनिकता सँ जुड़ल
भैया ए0सी0 किनलखिन त' कूलर गाम भेज देलखिन
आ कक्‍का होंडा क' पतरकी चकमकिया जेनरेटर संग सूत' लागलखिन
त' मोटका हरियरका भोथमरा जेनरेटर के गाम भेज देलखिन
देखियौ ने मारि रहल बटोरन हेंडिल लिहूरि लिहूरि के
तहिना फलां बाबू कंप्‍यूटर खरीदला क' बाद
भेजि देलखिन ऊ टी0वी0 गाम
जे पाछू से उक्‍खरि जँका उठल रहै
आ टी0वी0 संग भी0सी0पी0 आ किछु बदनाम सी0डी0 सेहो आएल रहै
आ ई सी0डी0 घूम' लागलै दुआरिए दुआरि
तहिना बहुत रास फिल्‍म ,शब्‍द ,विचार आ स्‍टाईल सब आएल छलै गाम
सुस्‍ताबै लेल या फेर पिकनिक मनबै लेल
या फेर गाम भ' गेल छलै एकटा गहीर जमीन
जइ मे कचरा गिराएल जा सकै छैक
किछु कचरा जमीन मे किछु जमीनक नीचा
किछु मोन मे ,भाषा मे आ संस्‍कार मे
आ राम सरूप भाय कहलखिन जे
वौआ ई कचरा तहिया सँ आबि रहल छै
जहिया सँ गामक बगल मे शहर भ' गेलै
कचरा अनलोड करैत फलां बाबू के माथ पर
शांतिक निशान देखियौ
आ देखियौ भगवानक लीला
जे जइ कचरा छिटला क' लेल हुनका पर हेबाक चाही जुरमाना
तइ लेल ओ पुरस्‍कृत भ' रहल छथिन
'राजा बेटा' ,'सोना बेटा' सँ

No comments:

Post a Comment