प्रशांत आ प्रदीपक दोस्ती नाम गनबै वला , दरभंगा क' इसकुल सँ दिल्लीक मेडिकल कॉलेज तक एके रंग ।संग रहैत ,लड़ाई झगड़ा ,टोनामानी ,रूस्सा-बौंसी करैत फेर जहिना के तहिना ।आ जखन प्रशांत अपन प्रेमक बाकायदा एलान केलकै त' प्रदीप ओकरा हार्मोनल घोषित करबाक फेर मे पडि़ गेलै आ ऐ बात के हार्मोनल बूझैत अपनो सामान्य रहबाक प्रयास कर' लागल ।एडजस्ट करबाक प्रयास दूनू मित्र करैत रहै ,तैयो धीरे-धीरे लाग' लागलै जे केओ अवांछित तेसर रूम मे बैसल छैक.....।आ बात एतबे नइ छलै जे प्रशांत आब दीपिका संग कोनो दोसर रूम मे रहतै बल्कि एकटा रूमक पैसा अकेले प्रदीप के देम' पड़तै आरो बात सब छलै........।प्रशांत मास्टरक बेटा ,दरभंगाक एकटा गामक आ दीपिका देहरादूनक चालूपूर्जा लड़की ।मेडिकल कॉलेज अएबा सॅ पहिनहिए सात घाटक पानि .......आ कॉलेज मे त' आर चिकनफट्ट भ' गेल छलै ,ई रीडिंग प्रदीप लैत रहै आ सायत प्रशांतक गामो समाद भेज देने रहै आ एही बात पर दूनू मे विवाद बढि़ गेल छलै ,दूनू अलग रह' लागल आ दू बरिस बितैत देरी नइ भेलै ।धीरे-धीरे तीनू मे मित्रता पहिलुके जँका भ' गेलै आ आब समै आबि गेलै प्रशांत दीपिकाक वियाहक ।एम0डी0 मे प्रशांत आ प्रदीपक एडमिशन भ' गेलै आ दीपिका पास नइ भेली ।एही बीच दीपिकाक घरक लोक सब वियाह पर बल द' देलखिन आ दीपिका सेहो संकेत देम' लागलै जे ओकरा कएकटा ऑफर छैक आ कोनो के ने कोनो के स्वीकारै पड़तै ।प्रदीप सब खेला बूझैत रहै मुदा ओ शांते रहनए उचित बूझलक आ जखन प्रशांतक पूछला पर स्पष्ट कहलकै 'यदि दीपिकाक बिना तू नइ रहि सकैत छें तखन वियाह क' ले किएक त' ..........' आ दीपिका सेहो प्रदीप सँ पूछलखिन तखन प्रशांत कहलकै ' तोरा लेल प्रशांत सँ नीक वर सायदे कतौ भेटतौ ' आ दीपिका मुसकियाइत चलि देलकै ।दूनू के गेलाक बाद प्रदीप सोच' लागलै जे ओ कुनो कठोर बात त' नइ कहि देलकै ..........
No comments:
Post a Comment