Followers

Monday 17 December 2012

सोमन कमती आ जमेदार साहेब


 जमेदार साहेबक असामी सोमन
 बड्ड मुंहफट आ मजकिया
 साहेब जखन जखन पादथिन
 लजेबा क' जिमेवारी सोमनक छलै
 आ साहेब डांटबाक रोल करथिन
 ' धुर जो सोमना
 हरदम पदैत रहबें
 ईहो नै जे टाईम बेटाईम देखी
 ईहो नै जे कने कात एकात भ' जाए
 आ ईहो नै जे कने सुपाच भोजन करी '
 आ सोमना रहै नौटकिया
 ओ एना लजाय
 जेना पाद साहेबक पाछू सँ नइ
 सोमनेक धोती सँ बहार भेल होए
 आ सोमना ऐ कठपदानक कमाय
 कखनो एक सेर दूसेर ,तीन कनमा
 कखनो पाव भरि दूध आसेर मड़ुआ
 आ जखन पेट भरलो रहै
 तखनो सोमन एक्टिंग करै
 काल्हिक लेल ,परसु तरसुक लेल

 एही कठपदान मे साहेबो मरला
 आ सोमना कें त' मरैये के छलै
 आ आब पादनाय आ कठपादनायक'
 जिमेवारी लेलखिन
 साहेबक बेटा आ सोमनक बेटा
 आ तहिना पादैत पादैत दूनू विदा भेला
 देश आजाद भ' गेल छलै
 बस ट्रक ट्रेन टी0वी0 क' भरमार छलै
 साहेबक पोता आ सोमनाक पोता
 दूनू गोटे आब फूलपेंट झाड़ैत छलखिन
 मुदा पाद-कथा ओहने आ ओतबे

 आ एकदिन सोमनक पोता सपना मे साहेबक पोता सँ कहलकै
 'धुर जो साहेब तू पदना तोहर बाप पदना
 कुल कुलदेवता आ खनदान पदना
 एहन बिसेन पाद तूही पादि सकैं छें
 एहन कलात्‍मक पाद तूही पादि सकैं छें
 एहन पाखण्‍ड तूही क' सकैत छें
 एक बापक बेटा हो त' कहि दे
 आ दम हो त' कहि दे
 हां ई पाद हमरे
 ई दुर्गन्‍ध हमरे
 ऐ व्‍यतिक्रमक अपराधी हम '

No comments:

Post a Comment