Followers

Tuesday 23 October 2012

खस्‍सीक भाग


छोट रस्‍सी कत्‍ता भोथगर छलै
खस्‍सीक भाग नमहर छलै
पूजा पाठ सब जेहने तेहने
ओइ पुजारीक बड भभारा छलै
कहै जानै छी आगू पाछू
बस रटिते ई पहाड़ा छलै
सब देवता बश मे असामी ओकर
बजबै ओ हरदम नगाड़ा छलै
मोन मे पेट जिक्र देवी देखियौ
नजरि मे खस्‍सी पारा छलै

No comments:

Post a Comment