Followers

Tuesday, 1 January 2013

बाल गजल

नव वर्षक पहिल दिन नेना सबमे बेसी उत्साह देखलौं तेँ नेनाक लेल एहि रचनाक संग सब गोटाकेँ नव वर्षक मंगलकामना । बाल गजल-79 नव शर्ट नव टोपी भेल नव सालमे हमरा लेल बड माँछ छल छानल तेल नव सालमे हमरा लेल बस्ता कत्तौ फेकल अपन पोथी कत्तौ राखल अपन इस्कूलमे छूट्टी भेल नव सालमे हमरा लेल आ रे अमन आबें पेटला आ सुमन हमरा संग भरि दिन कत्ते बनतै खेल नव सालमे हमरा लेल पपिता तँ थुर्री गाछपर छै धातरी बहुते फड़ल भेटल कत्तौ पाकल बेल नव सालमे हमरा लेल छोरू अपन झगड़ा आइ नव जागरण करियौ आइ नव दिवसमे हेतै मेल नव सालमे हमरा लेल मुस्तफइलुन-मफऊलात 2212-2221 दू बेर सब पाँतिमे बहरे-मुन्सरह अमित मिश्र

सुभाषचन्द्र यादवकेँ प्रबोध सम्मान 2013

सुभाषचन्द्र यादवकेँ प्रबोध सम्मान 2013

सुभाषचन्द्र यादव1948-
जन्म ०५ मार्च १९४८, मातृकदीवानगंज, सुपौलमे। पैतृकस्थान: बलबा-मेनाही, सुपौल।घरदेखिया (मैथिलीकथा-संग्रह), मैथिलीअकादमी, पटना, १९८३, हाली(अंग्रेजीसँ मैथिली अनुवाद),साहित्य अकादमी, नईदिल्ली, १९८८, बीछल कथा(हरिमोहन झाक कथाक चयनएवं भूमिका), साहित्यअकादमी, नई दिल्ली, १९९९,बिहाड़ि आउ (बंगला सँ मैथिलीअनुवाद), किसुन संकल्पलोक, सुपौल, १९९५,भारत-विभाजन और हिन्दीउपन्यास (हिन्दी आलोचना),बिहार राष्ट्रभाषा परिषद्,पटना, २००१, राजकमलचौधरी का सफर (हिन्दीजीवनी) सारांश प्रकाशन, नईदिल्ली, २००१, बनैत-बिगड़ैत (कथा-संग्रह) २००९। मैथिलीमे करीब सत्तरि टाकथा, तीस टा समीक्षा आहिन्दी, बंगला तथा अंग्रेजी मेअनेक अनुवाद प्रकाशित।

MAITHILI CHILDREN LITERATURE- मैथिली शिशु, बाल आ किशोर साहित्य

Monday, 31 December 2012

MODERN MAITHILI NOVEL-आधुनिक मैथिली उपन्यास

MAITHILI SHORT STORIES- मैथिली लघुकथा संग्रह

दिशा

दिशा सब खींचैत रहै अपना दिस
आ कोण सब रहै मुंह दूसैत
अपेक्षाक बिहाडि़ मे उधियेनै निश्चिते रहै
आ सम्‍बंध सभ मुंह फूलेने रहै अलगे
एमहर भूर सब भरेने नइ भराए
हवा छूबैत रहै जड़काला सन
तैयो मौसमक प्रशंसा केनए मजबूरी रहै
भविष्‍य कोनो खास नइ बूझाइतो
नया सालक स्‍वागत करैए पड़तै
नइ त' दोस महिम दुनिया जहान
की कहथिन
की कहथिन जे देखियौ त' हरदम कानिते रहैत छै
हरदम अलगे गीत गाबैत रहत
आ चुआबैत रहत उधारक नोर