Followers

Saturday 1 December 2018

ईह

ईह ,हिनके केवल छन्‍दक छल्‍ला
यैह अलगाबैथ रीतिक कल्‍ला
तीती थूथू करिते करिते
धैन अनुप्रास मचाबैथ हल्‍ला
ध्‍वनियो कें अलगाबैथ पल्‍ला
की वक्रोक्ति ?
औचित्‍य कथी के ?
हिनके लेल सभ भेल बेलल्‍ला
विदा भेलै अनुपात ए‍त' सँ
कनमा तीमन बेस मसल्‍ला

No comments:

Post a Comment