Followers

Wednesday 25 February 2015

पहिल प्रतिपदा पुरस्‍कार(2015)

पहिल प्रतिपदा पुरस्‍कार(2015)
विधा-उपन्‍यास
राशि -11001 रूपया
माध्‍यम-छपल ,हाथ सँ लिखल ,टांकल वा इंटरनेटक माध्‍यम सँ वर्ड (फाट क्रुतिदेव 10, मंगल मे)
अंतिम तिथि-31 दिसम्‍बर 2015
आयुक चिंता नइ करब
पहिलुका धाख नइ चलतै , मात्र कृतिये पर धियान देल जेतै ।
एकमात्र योग्‍यता एहन प्रतिनिधिक रचनाक खोज अछि जे मिथिला आ शेष दुनिया मे बहै वला खून,बसात आ बातक औपन्‍यासिक रूप होए ।
डाकक पता नइ द' रहल छी ,प्रेषणक कुनो जल्‍दबाजी नइ ,कनेक प्रतीक्षा करू ।यदि लिखने होए त' कांट छांट करू आ नइ लिखने होए त' विचार करू ।शेष सूचना जल्‍दिए .......
ई मेल पता अछि rabib2010@gmail.com

Thursday 5 February 2015

एथली लिखबौ मैथली लिखबौ

मारि दे ,उघाडि दे या गारि दे दोगमिया
एथली लिखबौ मैथली लिखबौ लिखबौ भोजपुरिया

चचरी

कविता केर चचरी मे गांथल सोनाक तार देखियौ
मुरदा मे साटल चिप्‍पी केर अलंकार देखियौ
नेनाक दुआदसा मे कर्मकाण्‍डक टीटकार देखियौ
संस्‍कृतिक सारा पर शुद्ध भाषाक परचार देखियौ

अ.मृ.त.घट.

सोनाक रोशनाई सँ लिखल अ.मृ.त.घट..
घैलक मुंह पर राखल चानीक सरबा
सरबा बान्‍हल हीराक तार सँ
दूरे सँ चमकैत अमृतघट
आडि़ भूगोलक समाजक तरपैत
छूबाक सौभाग्‍य अमृतघट
धिकभाग्‍य हमर
एको बूंद नइ अमृत.....
एको बूंद नइ
सोनाक अमृतघट मे एको बूंद जल नइ
एको बूंद नइ कि दू-चारियो टा कोशिका कें भेटैं जीवन-रस
सोनाक अमृतघट केवल टीटकार छैक
ई टीटकार बनल रहै ऐ वास्‍ते
तैयार पूरा नियम-विधान संविधान
वेवस्‍था आ व्‍याकरण
आ नियम तोड़ैवला लेल
खूब भड़कगर रंग मे लिखल रहै
ढ़ेर रास चेतावनी
रंग-रंगक लालच
रंगबिरही पुरस्‍कार.....