ओ कहैत छथिन नौकरी क' दस साल बीति गेल
हम कहलियेन पच्च्ीस साल त' बचले अछि
जमीन ,मकान ,गाड़ी क' सेहन्ता नेने
हमरा असफल सिद्ध करबाक अषड्यंत्र
कखनो फलनमा के दुमहला क' सीमेंट सँ अधीर होइत
कखनो चिलनमी के बाला ,नथिया सँ व्यग्र
हम बौंसैत हाथ जोड़ैत नोर चूबैत
कखनो बिन तेले के तेल लगबैत
कखनो जामुन लाल क लंबाई
सेब समतोला क'गोलाई चमक सँ विक्षिप्त
अंगूर खीरा क' लत्ती मे फॅंसैत
लतामक चिक्कन अबाह डांरि पर ओजन देने
ओ अपसियांत भ' रहल छथि ।
हमरा बजबा देखेबा
कहबा सुनेबा क' लेल
समान घटि रहल अछि निरंतर ।
आब यदि ओ देखेता फलनमा के बैंक खाता
हम देखा देबेन अपन सुगर बी0पी0 क' रिपोर्ट
हुनकर पंचाधिक शुन्य
आ हमर एकटा शुन्य !!!!
सलमान शाहरूख क' पेट करेजा हम किएक देखी ?
चाहे संजय बनारसी हों वा
मधुबनीया विनय रंजन
हम अप्पन पेटक तुलना करैत
मुस्कुरा रहल छी ।
ओ फेर व्यस्त बिलाइत
अपन दुनिया मे
भिड़बैत दिमाग
खोजैत आरोप शिकायत उपराग
रोड पर ओहिना साईकिल क' आवाजाही
पाईडिल ,घंटी ,चेन ,ब्रेक क' दैनंदिनी ।
हम कहलियेन पच्च्ीस साल त' बचले अछि
जमीन ,मकान ,गाड़ी क' सेहन्ता नेने
हमरा असफल सिद्ध करबाक अषड्यंत्र
कखनो फलनमा के दुमहला क' सीमेंट सँ अधीर होइत
कखनो चिलनमी के बाला ,नथिया सँ व्यग्र
हम बौंसैत हाथ जोड़ैत नोर चूबैत
कखनो बिन तेले के तेल लगबैत
कखनो जामुन लाल क लंबाई
सेब समतोला क'गोलाई चमक सँ विक्षिप्त
अंगूर खीरा क' लत्ती मे फॅंसैत
लतामक चिक्कन अबाह डांरि पर ओजन देने
ओ अपसियांत भ' रहल छथि ।
हमरा बजबा देखेबा
कहबा सुनेबा क' लेल
समान घटि रहल अछि निरंतर ।
आब यदि ओ देखेता फलनमा के बैंक खाता
हम देखा देबेन अपन सुगर बी0पी0 क' रिपोर्ट
हुनकर पंचाधिक शुन्य
आ हमर एकटा शुन्य !!!!
सलमान शाहरूख क' पेट करेजा हम किएक देखी ?
चाहे संजय बनारसी हों वा
मधुबनीया विनय रंजन
हम अप्पन पेटक तुलना करैत
मुस्कुरा रहल छी ।
ओ फेर व्यस्त बिलाइत
अपन दुनिया मे
भिड़बैत दिमाग
खोजैत आरोप शिकायत उपराग
रोड पर ओहिना साईकिल क' आवाजाही
पाईडिल ,घंटी ,चेन ,ब्रेक क' दैनंदिनी ।
No comments:
Post a Comment