Followers

Monday, 11 January 2016

सकारल जाए

हयौ हमरा सन पाखंडी केओ नइ
आ ई सुनि के अहांके बड्ड नीक लागल
तखन ईहो सुनि लिय' जे आहूं कोनो कम नइ
अच्‍छे लिय' आब ई खराब लागल
तखन आब ई कैल जाए
 अपन-अपन कमी अपने सकारल जाए
की कहलियै
ई संभवे नइ
तखन फेर कोन बात
कोन चीजक संग साथ

रोहुक गंध

ओमहर रान्‍हल रोहुक गंध
एमहर अठगामा अनुबंध
बजबै रोहुक नीकगर खंउ
नाश होउ तोहर हे पाखंड
डरबै र'स ई जी ई सुआद
कोना के सत्‍त कहब संवाद
ई बौआ जैजमानी छै काल
अंदर-बाहर बदलल हाल
जौं ब्रह्मा लैथ ई आठो गाम
लिय' कूश-जल परनाम !

Sunday, 10 January 2016

जा...1

-जा बिगडि़ गेलियै ,हम त' ओहिना मजाक केने छलौं
-हमर संबंध एतबो नइ आ एहनो नइ कि अहां ई मजाक करी
(जा.....)

Friday, 20 November 2015

पानक पीक

रस्‍ता पर ,आंगन मे मारै छैथ पुचकारी
ठोर कंठ डूबल छैन खिल्‍ली बरका भारी
कखनो के टिटकारी कखनो के हुंकारी
गल्‍ली मे नाला पर दुरा पर पानक पीक
रे मैथिल धिक धिक धीक.........

Friday, 17 April 2015

गाम आब गाम नइ छलै

गाम आब गाम नइ छलै
चिक्‍कन रोड देवाल आ लोक क चमक सँ आंखि चोन्‍हाइत रहै
वैह सूचना आ ओहने समाद गामो मे लहराइत रहै
ओहने रंग-ढ़ंग ,कपड़ा-लत्‍ता आ हेन-टेन मे ढ़ूरह' लागलियै कि
ऐ मे गाम किमहर गुम्‍म भ' गेलै
आ शुरू केलियै उतरवारी टोल सँ यात्रा
बजबा मे कनेक लैस त' रहै
मुदा सभ ठाम काजक कसमकस्‍स रहै
ओत्‍त' सँ सीधे पूब भ' गेलौं
पूरा टोले खाली रहै
केओ पटना केओ नोआखाली रहै
ओइ ठाम सँ सीधे दछिनबारी कात वला रस्‍ता पकडि़ लेलियै
दछिनबारी टोल मे किछु गाम बचल रहै
मुदा टूटल रहै अलंग-अलंग
पिझाइत-मिझाइत पहुंचलौ गाम पर
आ ओछैन पर बैसिते झोंक' लागल नीन
आ नीन मे धखाइत देह रहै ,सपना रहै
आ सपना मे किसिम -किसिमक गाम

Wednesday, 25 February 2015

पहिल प्रतिपदा पुरस्‍कार(2015)

पहिल प्रतिपदा पुरस्‍कार(2015)
विधा-उपन्‍यास
राशि -11001 रूपया
माध्‍यम-छपल ,हाथ सँ लिखल ,टांकल वा इंटरनेटक माध्‍यम सँ वर्ड (फाट क्रुतिदेव 10, मंगल मे)
अंतिम तिथि-31 दिसम्‍बर 2015
आयुक चिंता नइ करब
पहिलुका धाख नइ चलतै , मात्र कृतिये पर धियान देल जेतै ।
एकमात्र योग्‍यता एहन प्रतिनिधिक रचनाक खोज अछि जे मिथिला आ शेष दुनिया मे बहै वला खून,बसात आ बातक औपन्‍यासिक रूप होए ।
डाकक पता नइ द' रहल छी ,प्रेषणक कुनो जल्‍दबाजी नइ ,कनेक प्रतीक्षा करू ।यदि लिखने होए त' कांट छांट करू आ नइ लिखने होए त' विचार करू ।शेष सूचना जल्‍दिए .......
ई मेल पता अछि rabib2010@gmail.com

Thursday, 5 February 2015

एथली लिखबौ मैथली लिखबौ

मारि दे ,उघाडि दे या गारि दे दोगमिया
एथली लिखबौ मैथली लिखबौ लिखबौ भोजपुरिया