
साहित्य अकादमी पुरस्कार 2010
असमी कबीन फूकन
बांग्ला महेन्द्र गुप्ता
बोडो प्रेमानंद मोसाहारी
कश्मीरी नसीम सैफी
कोंकणी मेल्विन रॉड्रिग्स
संस्कृत हरेकृष्ण सत्पथी
संथाली आदित्य कुमार मांडी
उर्दू ख़लील मैमून
(उपरोक्त सब कवि छथि)
हिंदी काशीनाथ सिंह
कन्नड़ गोपालकृष्ण पई
मणिपुरी क्षेत्री बिरा
उडि़या कल्पनाकुमारी देवी
पंजाबी बल्देव सिंह
राजस्थानी अतुल कनक
तमिल एस वेंकटेशन
(सब उपन्यासकार)
डोगरी ललित मगोत्री
ग्रेस मराठी
तेलुगू सामला सदाशिव
(सब निबंधकार)
रामचंद्र गुहा (अंग्रेजी मे नैरेटिव हिस्ट्री)
मोहन परमार(गुजराती मे लघुकथा)
एम के सानु (मलयालम में जीवनी)
मोहन गहानी (सिंधी मे नाटक)
मैथिली मे बाद मे पुरस्कार देबाक घोषणा सँ विभिन्न संस्था ,मैथिली लेखक आ सुधी पाठकगण क्षुब्ध छथि ।की सबसँ नीक जँका चयन मैथिलीए मे हेतए वा मैथिली क लेल एहन पुस्तक सब छलए ,जाहि पर निर्णय जल्दी संभव नइ छैक ।की निर्णायकगण बीमार छलाह या छथि ।यदि कोनो पोथी पुरस्कार योग्य नइ छैक तखन सेहो बता देल जाए ।ऐ सब बातक उत्तर मैथिल समाज जान' चाहैत अछि ।यदि अकादमी अपन विश्वसनीयता बनाके राख' चाहैत अछि ,तखन ओकरा सविस्तार ऐ प्रश्नावली क जवाब देबाक चाही ।


जन्मदिनक मधुर मंगलकामना टिल्लू जी ।बहुत दिन सँ अहॉं से बात नइ भ' रहल अछि आ हम प्रयासो केलहुं त' अहॉ व्यस्त रही ,कखनो टाटा ,कखनो भुवनेश्वर ।आइ अहॉक जन्मदिन अछि आ अहॉक सभ स्वप्न सभ प्रतिज्ञा सामने होयत ।भगवान सँ हमर सभक प्रार्थना कि अहॉंक सब कामना फलीभूत हो ।मैथिली भाषा क एकटा पाठक होयबाक नाते हमर ई कामना कि अहॉ सब तरहें मैथिली साहित्य के समृद्ध करी ।एकटा कविक पुत्र होयबा क नाते जे दायित्व अहॉ क छल से अहॉ लगभग पूरा क देलहुं ,मुदा एकटा लेखक होयबा क नाते अहॉके बहुत किछु करबा क अछि ,ने केवल मात्रा मे बल्कि गुणात्मकता मे सेहो ।
