दूध जरेलखिन ऊ
भरि डोल भोरका टटका
दहिना चललखिन ऊ
ट्रक सटेलकेन हुनका
कंपनी बुरेलखिन ऊ
बौस डांटेलकेन हुनका
आंखि गमेलखिन ऊ
बौह डरेलकेन हुनका
त' कविता लिखथिन ई ?
जे केलखिन बस छोटका-बड़का
सुसाहित बूझथिन ई ?
जिनका मूने मे लटका-झटका
जौं तैयो ने मानथि ई ?
त' लाबू यौ करची के सटका
भरि डोल भोरका टटका
दहिना चललखिन ऊ
ट्रक सटेलकेन हुनका
कंपनी बुरेलखिन ऊ
बौस डांटेलकेन हुनका
आंखि गमेलखिन ऊ
बौह डरेलकेन हुनका
त' कविता लिखथिन ई ?
जे केलखिन बस छोटका-बड़का
सुसाहित बूझथिन ई ?
जिनका मूने मे लटका-झटका
जौं तैयो ने मानथि ई ?
त' लाबू यौ करची के सटका
No comments:
Post a Comment